व्यवस्थापन ओ प्रबंधन

प्रबंधन

सीआइआइएल एक प्रमुख संगठन हेबाक नाते राष्ट्रीय अनुवाद मिशन केर स्थापना करत आर संचालित करत। सीआइआइएल केर निदेशक परियोजना केँ लागू करबाक लेल प्रमुख पदाधिकारी हेताह। एनटीएम केर परियोजना निदेशक एनटीएम केर परियोजना सलाहकार समितिक सदस्य सचिव केर रूपमे काज करताह। (जकर संक्षिप्त रूप एनटीएम-पीएसी अछि।)

परियोजना सलाहकार समिति (NTM-PAC)

एनटीएम-पीएसी केर ढ़ाँचा निम्न प्रकार सँ होयतः
  निदेशक, केन्द्रीय भारतीय भाषा संस्थान,मैसूर अध्यक्ष
  नामित संयुक्त सचिव (भाषा केर) वा निदेशक (भाषा केर) उच्च शिक्षा विभाग, मानव संसाधन विकास मंत्रालय, भारत सरकार सदस्य
  नामित संयुक्त सचिव आर वित्तीय सलाहकार वा आइएफडी (मानव संसाधन विकास मंत्रालय) सदस्य
  अध्यक्ष, वैज्ञानिक एवं तकनीकी पारिभाषिक शब्दावली आयोग (सीएसटीटी) सदस्य
  अनुवाद शिक्षण विभाग केर विभिन्न विश्वविद्यालय सँ दूइ प्रतिनिधि सदस्यगण
  विभिन्न राज्य सँ दूइ प्रतिनिधि (चक्रानुक्रमिक) सदस्यगण
  भाषा विश्वविद्यालय केर एक कुलपति (चक्रानुक्रमिक) सदस्य
  प्रकाशक एवं पुस्तक विक्रेताक बीच सँ तीन सदस्यगण
  सचिव, साहित्य अकादमी सदस्य
  निदेशक, राष्ट्रीय पुस्तक ट्रस्ट (एनबीटी) सदस्य
  विभिन्न आइआइटी, एनआइटी एवं औद्योगिक घराना सँ दूइ प्रतिनिधि जे अनुवाद उपकरण/प्रौद्योगिकी केर क्षेत्रमे आर&डी से संबद्ध होथि सदस्यगण
  एहन निजी संगठन/समष्टि निकाय वा निजी संस्था जिनक अभिरूचि अनुवाद केर क्षेत्रमे हो, सँ आठ अनुवाद विशेषज्ञ/प्रतिनिधि (दूइ वर्ष केर लेल चक्रानुक्रमिक) सदस्यगण
  परियोजना निदेशक, राष्ट्रीय अनुवाद मिशन वा हुनक अनुपस्थितिमे शैक्षिक सचिव, केन्द्रीय भारतीय भाषा संस्थान, मैसूर सदस्य-सचिव

एनटीएम(NTM) संस्थाक सदस्यता

एनटीएम (NTM) संस्था केर सदस्यता प्रायः ओहि सभ लोक वा संस्थाक लेल खुजल अछि जे व्यावसायिक वा अव्यावसायिक अनुवादक अछि, संगहि ओहन स्वतंत्र/निजी अभिकरणक हेतु सेहो जे अनुवाद केर क्षेत्रमे अपन अभिरूचि रखैत अछि। एहि संबंधमे विस्तृत विवरण एनटीएम केर वेबसाइट पर “पंजीकरण कोना कराबी” पर देखल जा सकैछ।

परियोजना निदेशक

राष्ट्रीय अनुवाद मिशनक परियोजना निदेशक केर नियुक्ति संयुक्त सचिव (भाषा) केर अध्यक्षतामे एक समिति द्वारा कयल जायत, जाहिमे निदेशक, केन्द्रीय भारतीय भाषा संस्थान ओकर सदस्य सचिव हेताह, अन्य दूइ सदस्य एनटीएम केर परियोजना सलाहकार समिति (पीएसी) सँ आ एक बाहर सँ नामित सदस्य हेताह, जिनक नामक अनुमोदन सचिव, (उच्च शिक्षा विभाग) द्वारा कएल जाएत। परियोजना निदेशक केर लेल वांछित ओ अनिवार्य योग्यता निम्न प्रकारेँ होयतः

(i) परियोजना निदेशक (एनटीएम) केर नियुक्ति पाँच वर्ष केर कार्यावधिक लेल होयत।
(ii) परियोजना निदेशक (एनटीएम) केर आयु सामन्यतया 60 वर्षसँ कम हेबाक चाही।
(iii) नामित विद्वान केँ सामान्यतया अनुवाद अध्ययन केर क्षेत्रमे कोनहुँ भाषा-साहित्य संकायमे (तुलनात्मक भाषा सहित) भाषाविज्ञान वा अनुवादक क्षेत्रमे ख्यातिप्राप्त ओ डॉक्टरेट केर उपाधि धारक हेबाक चाही
(iv) शिक्षण/शोध के क्षेत्र में 15 वर्षों का अनुभव अनिवार्य
(v) अनुवाद अध्ययन/शब्दकोशविज्ञान मे प्रकाशन
(vi) अनुवाद कार्य पर प्रकाशित वास्तविक साक्ष्य

एनटीएम परियोजना निदेशक केर उत्तरदायित्व हैत जे ओ परियोजनाक प्रतिवेदन, निदेशक, केन्द्रीय भाषा संस्थान, मैसूर [जे परियोजनाक प्रमुख पदाधिकारी, (Nodal officer)] छथि, केँ भेजताह, जाहिमे उपयुक्त अनुबंध पत्र, सहयोग केर उद्देश्य, कार्यप्रकृति आओर आबंटन एवं परियोजनाक मूल काज केर उल्लेख रहत। एकर अतिरिक्त परियोजना निदेशक (एनटीएम) केर काजक प्रकृति निम्न रूपक होयत—


(a) प्रकाशन, ई-प्रकाशन आओर परियोजना सँ संबंधित समस्त अभिलेख, जकर प्रभार संस्थान द्वारा हुनका देल गेल छनि केर अभिरक्षण।
(b) संस्थान केर आधिकारिक अधिकारीक रूपमे कार्यालयी पत्राचार द्वारा सम्पर्क स्थापित करब।
(c) परियोजना सलाहकार समितिक अध्यक्ष केर निर्देशानुसार एनटीएमक परियोजना सलाहकार समिति, कार्यकारी वर्ग एवं अन्य समितिक सभा संयोजन करब।
(d) एहि समितिक सभाक विवरण राखब।
(e) एनटीएमक लेखा केर हिसाब-किताब राखब।
(f) एनटीएम केर परियोजना सलाहकार समितिक कार्यशक्ति सँ संबंधित विषय एवं ओकरा द्वारा अनुदानित ओ अनुशंसित राशिक व्यय केर देखरेख एवं जिम्मेदारीक वहन करब।
(g) आरंभिक वित्तीय-वर्षक लेल मिशन केर बजटक प्रारूप, निदेशक, केन्द्रीय भारतीय भाषा संस्थानक माध्यमसँ मानव संसाधन विकास मंत्रालय, केर विचारार्थ एवं अनुमोदनार्थ प्रस्तुत करब आर
(h) शासी निकायद्वारा आबंटित सभ प्रशासनिक एवं वित्तीय अधिकार केँ लागू करब।
(i) उपर वर्णित निश्चत नियम केर परिपालनमे अनियमितता वा कुप्रबंधनक स्थितिमे हुनका कोनहु समय मानव संसाधन विकास मंत्रालय, भारत सरकार केर आदेशसँ कार्यालय अथवा पद सँ पदच्युत कएल जा सकैछ।

पूरक कर्मचारीगण

एनटीएमक लेल स्थायी पद केर सृष्टि नहि कयल जायत अपितु अल्पकालीन नियोजन कएल जाएत। कार्यप्रकृतिकेँ देखैत नियोजन केर तिथि विस्तारित कएल जा सकैत अछि। एखन लगभग 65 केर संख्यामे कोर परियोजना कर्मचारी रहताह जाहिमेसँ लगभग एक तिहाइ दिल्ली स्थित कार्यालयमे कार्यरत रहताह आ शेष विभिन्न भारतीय भाषाक सलाहकार विशिष्ट विषय केर विशिष्ट कार्य हेतु मैसूरमे।

एनटीएम केर सभ 65 कोर कर्मचारीक विवरण, जिनका सभक अस्थायी नियोजन कएल जेतैन्हिः

क्रमांक संख्या प्रमुख
1. मानव संसाधन (लगभग 65 केर संख्यामे)
(a) परियोजना निदेशक (1) 40,000 प्रतिमाह आ अन्य
(b) उपनिदेशक/प्रोफेसर (4) विज्ञान, प्रौद्योगिकी, समाज विज्ञान ओ मानविकी प्रत्येक क्षेत्रक लेल एक 35,000 सँ 38,000 प्रतिमाह
(c) अनुसंधान अधिकारी/उपाचार्य (12) उत्तर, दक्षिण, पूर्व ओ पश्चिमी भारतक लेल 29,000 सँ 32,000 प्रतिमाह
(d) कनिष्ठ अनुसंधान अधिकारी/वरिष्ठ व्याख्याता एवं व्याख्याता (12) चारि क्षेत्र (जोन) केर लेल आओर एक उत्तर-पूर्व क्षेत्रक लेल 20,000 सँ 26,000 हजार प्रतिमाह
(e) अनुसंधान सहयोगी (5) 15,000 सँ 18,000 प्रतिमाह
(f) वरिष्ठ सम्पादक/सहायक वेब संपादक (5) प्रत्येक क्षेत्र (जोन) केर लेल एक-एक आओर पूर्वोत्तर क्षेत्र केर लेल एक 24,000 सँ 26,000 प्रतिमाह
(g) उपसंपादक-मुद्रण एवं वेब (5) 20,000 सँ 22,000 प्रतिमाह
(h) प्रशासनिक पदाधिकारी (सहायक) (1) 22,000 प्रतिमाह
(i) कार्यालय पर्यवेक्षक (2)
(j) वरिष्ठ परियोजना तकनीशियन (4) 24,000 सँ 26,000 प्रतिमाह
(k) कनिष्ट परियोजना तकनीशियन (10) 20,000 सँ 22,000 प्रतिमाह
(l) डेटा प्रविष्टिकर्ता (2) अंग्रेजी/ भारतीय भाषा
(m) कार्यालय कर्मचारी(गण)- लेखा (2)

11म योजनाक दौरान अनुमानित लागत (परिवर्तनशील) रू. 4,26,53,012
 

स्थान

EFC तथा (PAMD) क द्वारा ई निर्णय लेल गेल अछि जे मिशन केर समस्त कार्यवाही एकहि ठाम एकहि छत केर नीचाँ सम्पादित होमए, एहि तरहेँ एनटीएमक लेल अलग भवन केर निर्माणकेँ सेहो अस्वीकार नहि कयल जा सकैत अछि। तत्काल एहन निर्णय लेल गेल अछि जे एनटीएम केर आरंभिक क्रियाकलाप मैसूर स्थित भारतीय भाषा संस्थानक द्वारा संचालित ओ समन्वित कयल जायत जतय एहि मिशन केर लेल आवश्यक उपस्कर ओ विशेषज्ञ उपलब्ध छथि। भविष्यमे कार्यसंचालनक हेतु मैसूर मे एकटा भाड़ा केर भवन लेल जा सकैछ।

तथापि एनटीएम संबंधित सरकारी विभाग आओर संगठन, निगमित निकाय, आइआइटी/सॉफ्टवेयर विशेषज्ञ, प्रकाशन भवन, स्वशासी सांस्कृतिक संगठन, भारतीय ओ विदेशी भाषाक विशेषज्ञ आदि सँ लगातार सम्पर्क करैत रहत, आओर संभावित रूप सँ एहिमे बहुत रास सलाहकार आओर एकर विभिन्न समिति केर विशेषज्ञ हेताह, इहो निर्णय लेल गेल अछि जे एनटीएम केर सम्पर्क कार्यालय राष्ट्रीय राजधानी क्षेत्र, दिल्ली मे हेबाक चाही, किएक तँ अधिकतर प्रकाशन भवन, आइटी आओर विभिन्न भारतीय भाषाक विशेषज्ञ दिल्लीमे अछि संगहि भारत सरकार केर बहुतो कार्यालय आओर स्वशासी संगठन आदि दिल्लीमे अछि। तत्काल दिल्लीमे एक सम्पर्क कार्यालय कोनो भाड़ा केर भवनसँ अपन काज आरंभ करत।

कालावधि

अनुवादक क्षेत्रमे एनटीएम केर गतिविधिक आवश्यकता ताधरि रहि सकैत अछि जाधरि विभिन्न भाषाक बीच साहित्यिक तथा ज्ञान आधारित पाठ केर अनुवादक आवश्यकता होएत। वर्तमान समयमे जाहि तरहेँ ज्ञानक विस्फोट भ’ रहल अछि आर नित नव-नव पाठ लगातार प्रकाशमे आबि रहल अछि, एहन स्थितिमे ई अनुमान लगाएब कठिन अछि जे निकट भविष्यमे एनटीएम बंद भ’ सकत।