के संबद्ध छथि? कार्यकारी निकाय

भारतीय भाषा संस्थान (भाभासं)

तत्काल, भारतीय भाषा संस्थान(भाभासं) एनटीएमकेर नोडल अभिकरण आ मुख्य संरक्षक थिक आओर ई मिशन भाभासं, मैसूर केर परिसरसँ संचालित होइछ। भाभासंकेर निदेशक एहि मिशनकेर नोडेल अधिकारी छथि। एहन परिकल्पना कएल गेल अछि जे सक्षम प्राधिकार द्वारा आवश्यक अनुमोदन भेटलाक पश्चात् एनटीएम एकटा स्वतंत्र स्वायत्तशासी संस्था बनि जाएत। एनटीएम अन्य भारतीय संस्थासभ, जेना- साहित्य अकादमी, नेशनल बुक ट्रस्ट(एनबीटी), वैज्ञानिक एवं तकनीकी शब्दावली आयोग(सीएसटीटी), सी-डेक आदि, क सहयोगसँ कार्य करैत अछि ।

एनटीएम हेतु शीर्ष निर्णय लेबाक लेल एकटा निकायक रूपमे एक गोट परियोजना सलाहकार समिति (पीएसी) छैक। एहिमे अनुवाद अध्ययन एवं अभ्यासमे लागल विद्वान् ओ विशेषज्ञ; लेखक; साहित्यकार; साहित्यिक संस्थाक अध्यक्ष; विश्वविद्यालयक कुलपति; पोथी-विक्रेता ओ प्रकाशकलोकनिक सदस्य; भारत सरकारक सूचना प्रौद्योगिकी विभागक प्रतिनिधि आओर आइआइटीसन संस्थासभक प्रोफेसरलोकनिक 25 गोट विशेषज्ञलोकनि सम्मिलित छथि।

पीएसीक अतिरिक्त, एनटीएमकेँ अपन कार्यकेँ सम्पादित करबामे मार्गदर्शन ओ सलाहक हेतु निम्नलिखित चारि गोट उपसमिति छैक-
i. दर-निर्धारण हेतु उपसमिति
ii. कॉपीराइट एवं विधि मामिला हेतु उपसमिति
iii. ज्ञान-पाठ्य हेतु उपसमिति
iv. सहायता एवं अनुदान हेतु उपसमिति।
 
परियोजना सलाहकार समिति(एनटीएम- पीएसी)
नोडल अधिकारी : निदेशक, भाभासं
परियोजना निदेशक
एनटीएम हेतु स्वीकृत पद : 65
सहयोगी कर्मचारी