|  | 
                 
         
         | 
        डाटाबेस/ अङ्कआधार
                         
    
        
            
                | एनटीएम छओ गोट सूचना पटल वा डाटाबेस तैआर कएलक अछि, जेना अनुवादकक राष्ट्रीय पंजी (एनआरटी),
                    भारतीय विश्वविद्यालय डाटाबेस, संकाय डाटाबेस/विशेषज्ञ सूची, प्रकाशक डाटाबेस, अनुवाद
                    विवरणिका डाटाबेस आओर शब्दकोश एवं शब्दावली डाटाबेस, जे नहि मात्र एनटीएमक क्रियाकलापमे
                    सहायता करत, अपितु शोधार्थी, प्रकाशक, छात्रगण एवं अनुवादकक सहायक रुपमे सेहो कार्य
                    करत। ईसभ डाटाबेस भारतीय भाषाक अनुवादक; मुख्य विश्वविद्यालय आ ओकर पाठ्यक्रम सामग्री;
                    विभिन्न विषयक विभाग ओ विशेषज्ञ; सभ भारतीय भाषाक मुख्य प्रकाशन संस्था; विभिन्न भारतीय
                    भाषाक अनुवादित पाठ; शब्दकोश, शब्दावली आ विश्वकोशकेर सूचना अग्रसारित/प्रदान करैछ।
                    ई डाटाबेस छात्रगण, शोधार्थी आ एतेक धरि जे विभिन्न विषयक संकाय धरिकेँ प्रचुर/वृहत्
                    सूचना दए सकैत अछि। |  |  |