वित्तीय साधन और परियोजना का आरंभ

कोष

भारतवर्षमे अनुवाद केर गतिविधिक लेल एनटीएम एक मूल संस्थाक रुपमे काज करत जे कि भारत सरकार द्वारा पोषित होएत। एनटीएम एक केन्द्रीय योजना होएत। ऐहन आशा कयल जाइत अछि जे 12 हम योजना कालमे एनटीएम अपन आंतरिक संसाधन जेना, शब्दकोश, विलोम तथा पर्यायवाची शब्दकोश, अनुवाद सॉफ्टवेयर आर विभिन्न पाठकेर वास्तविक अनुवाद जे कि विभिन्न अभिकरण द्वारा बाजारमे उपलब्ध कराओल जायत, सँ किछु धन केर उपार्जन क’ सकैत अछि। अनूदित सामग्री ओ अन्य उपकरण केर दाम किछु एना निर्धारित कयल जायत जाहिसँ आम लोक धरि एकर पहुँच सुलभ भ’ सकय। सह-प्रकाशन ओ आर्थिक अनुदानित प्रकाशन केर लेल एनटीएम परियोजना समिति द्वारा ई निर्णय लेल जाएत जे विभिन्न प्रकाशन भवनकेँ एहि कार्य सँ जोड़ल जाय।

वेब आधारित एकर समस्त सामग्री आर उपकरण केँ सभ लोकक लेल निःशुल्क खुजल रखबाक निश्चय कयल गेल अछि। अनुवाद प्रशिक्षण कार्यक्रम आओर स्वीकृतिक लेल किछु नियत शुल्क भ’ सकैत अछि, मुदा ओ एखन तय हेबाक अछि।

बजट

द्यपि मानव संसाधन विकास मंत्रालयक संग-संग राष्ट्रीय ज्ञान आयोग केर मूल अनुशंसा 250 करोड़ केर छल। एहन अनुभव कयल गेल छल जे आरंभिक चरणमे कुल बजट 100 केर अंतर्गतहि निर्धारित कयल जा सकत। EFC मसौदा केर संशोधन ओकरहि अनुसार मार्च 2008 मे कयल गेल छल, आओर 98.97 करोड़ केर लेल एकटा प्रस्ताव तैयार कयल गेल छल। एनटीएम इएफसी मे ई तय कयल गेल छल जे सीएसटीटीक लेल (5 करोड़) देखाओल गेल राशिकेँ निकालि देल जाय (एनटीएम- इएफसी मसौदा, मद-11(iv & v), पृष्ट-6, पीएएमडी केर टिप्पणी, पारा-4, पृ-2 मे रिपोर्ट कयल गेल; आओर एहि मद पर सहमति वला पारा-10 केँ देखल जा सकैछ)

अंततः इएफसी सभा केर दौरान 93.97 करोड़ केर एनटीएम बजट केँ स्वीकृति देल गेल छल, (एनटीएम-इएफसी मसौदा संख्या F.25-4/2008-IFD, दिनांक 22 मई 2008, (एनटीएम मसौदा, मद-11, (i), पृ-6 देखू)

अनुमोदित वार्षिक बजट केर वितरण आओर प्रतिपादन एहि प्रकारेँ कयल जा सकतः

    2008-09 2009-10 2010-11 2011-12 कुल
  पुनरावर्ती 1519.712 2026.305 1800.731 2050.682 7397.43
1. मानव संसाधन 99.312 100.305 108.831 118.082 4,26.53
2. प्रका.एवं अन्य कार्य 1181.00 1901.60 1661.00 1901.60 6645.20
3. सामान्य रखरखाव 14.40 14.40 14.40 14.40 57.60
4. सॉफ्ट. उपकरण 220.00 00.00 00.00 00.00 2,20.00
5. रखरखाव उपस्कर 00.00 5.00 11.50 11.50 28.00
6. यात्रा भत्ता 5.00 5.00 5.00 5.00 20.00
तालिका 1: वार्षिक अंतराल केर संग एनटीएमक लेल स्वीकृत कुल बजट
 
समस्त कार्य (जेना कि उपरोक्त तालिकामे मद 2 केर अंदर देखाओल गेल अछि) केर विस्तार सेहो निम्नलिखित रूपमे देल गेल छल (सीएसटीटी आओर एनसीइआरटी केर भागकेँ छोड़िकए):
 

कार्य/गतिविधि लागत (लाखमे)


a. 1760 संदर्भ ग्रंथ+200 पाठ्य पुस्तक केर प्रकाशन आओर अनुवाद 4520.00
b. अनुवाद पत्रिकाक लेल जीआइए 200.00
c. स्वत्वाधिकार शुल्क केर लेल लेखक/अनुवादक केँ जीआइए 35.20
d. अनुवादककेर प्रशिक्षणक लेल जीआइए 100.00
e. कार्य+जीआइए इलेक्ट्रॉनिक शब्दकोश/पर्यायवाची विलोम शब्दकोश ( 390+600 करोड़) 990.00
f. एनएलपी अनुसंधान केर लेल जीआइए 400.00
g. अनुवाद पर डिग्री/डिप्लोमा पाठ्यक्रम पढ़ा रहल विश्वविद्यालय विभागक लेल जीआइए केर स्वीकृति 200.00
h. वेब देखरेख (राष्ट्रीय पंजी/बुलेटिन/ई-पत्रिका/खोज/उपकरण 200.00
  कुल (लाख में): रू. 6645.20
तालिका 2: कार्य, सलाहकार, बाहरसँ काज करबाक लेल स्वीकृत बजट आओर एनटीएम केर लेल जीआइए
 
ईएफसी केर मसौदामे इहो कहल गेल छल जे सीआइआइएलमे अनुवाद केर क्षेत्रमे चलाओल जा रहल अनुकृति आओर दोसर परियोजना आब एनटीएम केर अंतर्गत अंतर्लीन हेबाक चाही, आर कार्य केर अनुलिपिकरण नहि हेबाक चाही।

जतय धरि एनटीएम केर जीआइए केर तत्व केर बात छल, तँ कोनहुँ ‘g’ केर द्वारा ‘b’ केर अंदर केर वस्तुकेँ जोड़ल जयबाक लेल होएत (अतिरिक्त ‘e’ केर, जतय कार्य आओर जीआइए राशि अलग-अलग अछि), आओर विश्वविद्यालय संगठन, अनुवाद सामग्री, व्यक्तिगत आओर अनुसंधित्सु केर अनुवाद बढ़एबाक लेल संख्या 1535.20 लाख होयत। ई विदित अछि जे ‘b’, ‘d’, ‘e’ आओर ‘f’ केर संदर्भमे ओहि अनुदानक प्रस्तुति केर लेल देशक समस्त भागसँ प्रस्ताव आमंत्रित कएल जयबाक छल, अपितु ‘c’ मूल पाठ केर पहचान पर निर्भर करत आर ‘g’ एहन निर्णय पर निर्भर करत जे अनुवाद केर पाठ्यक्रम प्रस्तुत कर’वला उचित विश्वविद्यालय केर लेल अनुदानक मात्राक संदर्भमे लेल जा सकैत अछि। मुदा एनटीएमक अंदर जीआइए केर गतिविधि एनटीएम परियोजना सलाहकार समितिक द्वारा लेल गेल प्राथमिक निर्णय केर पश्चातहि आरंभ होयत।

अंततः 18 जूअंततः 18 जून 2008 केँ माननीय मावव संसाधन विकास मंत्री द्वारा समस्त एनटीएम परियोजनाकेँ स्वीकृति प्रदान क’ देल गेल। एतय उल्लेखनीय अछि जे मंत्रालय पहिनहि 2007-08 मे एनटीएम केर लेल 90 लाख रू. अग्रिम अनुदानक रूपमे निश्चत क’ देने छल (अनुदान पर बजट, पृ.-20 देखू) आओर तखनहि एहि उद्देश्यक लेल बजट सँ संबंधित सभ प्रकार केर प्रमुख आओर उपप्रमुख शीर्षक तैयार क’ देल गेल छल। मुदा किएक तँ इएफसी मे विलम्ब भ’ गेल छल एहिलेल ओहि राशिकेँ खर्च नहि कयल गेल छल। दोबारा 2008-09 केर दौरान 100 लाख रू. केर एक राशि अनुदान पर बजट (बीजी) मे एनटीएम केर लेल सम्मिलित कयल गेल छल, जे निम्नलिखित छल, जे निम्न रूपेँ छल :

  2008-09 अनुदान पर बजट    
वेतन/परामर्श/अनुवाद शुल्क/मानदेय,सहित 50.00 कार्यालयी खर्च 13.00
अतिरिक्त कार्यभत्ता 00.00 O.A.C. 05.00
चिकित्सा भत्ता 00.50 O.C. 05.00
यात्रा भत्ता 10.00 G.I.A. 16.50
    कुल 100.00
तालिका 3: 2008-09 में एनटीएमक लेल अनुमोदित प्रतीक बजट केर राशि
 
संस्थान पीएओ केँ पहिनहि मंत्रालय द्वारा पहचान कएल गेल प्रतीक बजटक राशि केर दूइ चौथाई किश्त भेजबाक लेल कहने अछि (जे केवल 41.75 लाख रू. अछि), (एकर पत्रांक- F.1-1/2008-09/Accts/BUDGET/(NTM) के देखू) सीसीए द्वारा तैयार कयल गेल प्रक्रियाक अनुसार एक अलग एनटीएम जीआइए खाता खोलबाक लेल अलग सँ प्रयास क’ रहल अछि। अपितु एकर माने ई हैत जे ईएफसी केर अनुसार 2008-09 केर लेल एनटीएम सँ संबंधित शेष बजट केर राशि 1419.712 लाख रू. होयत (जेना कि अप्रील-मई 2008 मे संगणित कयल गेल छल), किएक तँ प्रक्रियाकेँ लागू कर’ आर काज आरंभ करबामे पहिनहि बहुत अधिक समय व्यतीत भ’ चुकल अछि, एहिलेल पहिल साल केर बजट केँ एक उपयुक्त सीमा धरि कम करबाक लेल संशोधित करब आवश्यक अछि। निम्नलिखित तालिका एनटीएम केर वार्षिक घटाओल गेल राशिकेँ दर्शाबैत अछि। ई तालिका पहिलुका 1 आर 2 तालिका केर आधार पर तैयार कयल गेल अछि, आओर ओहि काजकेँ अलग-अलग क’ देल गेल अछि जे बाहर सँ आओर सलाहकार केर द्वारा कएल जा सकत।
 
एनटीएम बजट (लाखमे)
  2008-09
विमुक्त राशि
2008-09
अतिरिक्त के लिए कहा गया है
2009-10 2010-11 2011-12 कुल
वेतन/परामर्श /अनुवाद शुल्क/मानदेय /
सहित
50.00 49.312
100.688
124.950*


274.950
100.305
110.757
183.260+
58.310

452.632
108.831
121.833
331.079#


561.743
118.082
134.016
364.187


616.285
1955.61
अतिरिक्त कार्य भत्ता 00.00 00.000 00.000 00.000 00.000 00.000
चिकित्सा भत्ता 00.50 00.000 00.550 00.600 00.65 002.30
यात्रा भत्ता 10.00 05.000 30.000 35.000 45.00 125.00
कार्यालयी खर्च 13.00 112.000 45.000 50.000 00.000 220.00
ओएसी 05.00 09.400 14.400 14.400 14.400 057.60
ओसी 05.00 390.050 1099.923 1169.720 837.027 3501.72
जीआइए 16.50 175.400 383.800 422.18 537.320 1535.20
कुल 100.00 966.800        
कुल योग   1066.800 2026.305 2253.643 2050.682 7397.43
टिप्पणीः 300 पुस्तक केर अनुवाद शुल्क + 440 पुस्तक केर अनुवाद शुल्क आओर पछिला साल 140 कार्य केर बाँकी अदायगीक लेल 58.31# 580 पुस्तकक शुल्क आओर वेब आधारित सामग्रीक अनुवाद केर लेल 0.90

तालिका 4: वार्षिक अंतराल केर संग एनटीएम केर लेल स्वीकृत सम्पूर्ण बजट

एतय ध्यातव्य अछि जे 2008-09 केर लेल कम राशिक माँग कयल गेल अछि, किएक तँ परियोजना एखन आरंभिक चरण मे अछिः 1519.712 लाख केर जगह 1166.88 लाख, जे स्वीकृत राशि अछि (एनटीएम मसौदा आओर परियोजनाक विस्तृत विवरण केर अनुसार) जेहन कि तालिका 1 मे देल गेल अछि। दोसर वर्षमे सेहो यैह संख्या अछि, वर्ष 2008-09 केर बचतकेँ जकरा 2010-11 मे परिवर्तित क’ देल गेल अछि। ई मानैत जे पहिल वर्षमे, 440 पुस्तक केर अनुवादक काज (प्रत्येक पुस्तक औसतन 250 पृ. केर) प्रस्तावित अछि, जमा कर’क दर 68 सँ 70 प्रतिशत अछि, जँ अनुवादक केर द्वारा कार्य सम्पादित क’ देल जाइत अछि तँ 300 सँ बेसी पुस्तक जमा नहि कयल जा सकत। “कथा भारती” परियोजनामे, जकरा दसम परियोजनाक कालावधिमे स्वीकृति देल गेल छल, अनुवाद केर दर 1000 शब्दक लेल 300 रु. छल (= तीन मुद्रित पृष्ठक लगभग)। जँ एनटीएम-पीएसी 1000 शब्दक लेल 500 रू. अदा करबाक स्वीकृति दैत अछि तँ बहुत उच्च तकनीक केर अनुवाद संभव भ’ सकैत अछि, तखन हमरा प्रत्येक अनुवाद केँ लगभग 41,665 रू. अदा कर’ पड़त। जेहन कि 1960 पुस्तक केर सम्पूर्ण कार्य जेना रूपांतरण, अनुवाद, मूल्यांकन, पुस्तक संपादन केर लेल बजट सँ संबंधित कुल 4520.00 लाख रू. पर तय गेल छल (तालिका 2 देखू) जाहिमे मुद्रण आओर प्रकाशनक छूट/मूल्य केर लेल सेहो राशि सम्मिलित अछि। आब हम 2008-09 केर आवश्यकताक संगणन क’ सकब। ई मानैत जे 2008-09 मे हम केवल 440 पुस्तक केर काज द’ सकी, आओर केवल 300 पुस्तक (औसतन 250 पृष्ठ केर) पूर्ण मूल्यांकित/पुस्तक संपादित कएल जाइत अछि, तखन हम एहि शीर्षक केर तहत 2520.00 लाख रू. केर माँग करब (जकर किछु भाग परामर्शक रूपमे आओर एक भाग OC शीर्षक केर तहत देखाओल जायत):

अधिकत्व केर औचित्य (तालिका 2 मे सँ, मद a): 520.00 लाख रू.
1. अनुवादक केर मानदेय: 124.95 लाख (41,650x300 रू.)
2. मूल्यांकन: 15.00
3. पुस्तक संपादन: 75.00
4. डेटा इनपुट/सार्वजनिक सॉफ्टवेयर: 30.00
5. मुद्रण (विज्ञापन/पत्र, आदि): 200.05
6. आइपीआर/स्वत्वाधिकार भुगतान: 75.00

उपस्कर पर 220 लाख रू. सँ संबंधित पहिल वर्ष केर 125.00 लाख रू. – मुख्य रूपसँ दिल्ली मे कार्यालय स्थापित करबाक लेल जाहिमे मशीन आओर आधारभूत उपस्कर केर आवश्यकता अछि। हम TE केर अंतर्गत् अतिरिक्त राशि केर माँग क’ रहल छी (5.00 लाख रू. केर जगह पर 15 लाख), इहो लेल जे ई पहिल वर्ष अछि, बहुत रास सभा आदि होयत। ‘आम देखरेख’ केर अंतर्गत शीर्षक वैह रहत, जे तालिका 1 मेः OAC 14.20 लाख।

अंतमे, चारि वर्षक लेल 1535.20 लाख रू. केर एनटीएम- जीआइए केँ देखैत 2088.09 केर अंश 383.80 लाख भेल होयत। मुदा ओकरा मानैत शेष समय केवल सात महीना अछि, अधिकत्वक अंतर्गत माँगल गेल राशि केवल 191.20 लाख रु. अछि।

आरंभिक क्रियाकलाप

परियोजना केर आधारभूत संरचना आओर योजनाक विचार/क्रियाकलाप केर क्रियान्वयन हेतु निम्न प्रकार सँ श्रृंखलाबद्ध करबाक निर्णय लेल गेल अछिः

1. एनटीएमक संबंधमे किछु आधारभूत सूचना संस्थान केर मुख्य वेब-साइट पर उपलब्ध केनाइ, जाहिसँ आम लोक धरि मिशन केर गतिविधि आओर ओहिमे ओकर सहभागिता निश्चत भ’ सकय।
2. अनुवाद केर क्षेत्रमे चलि रहल आन परियोजना सभ, शब्दकोश आदिक निर्माण केर कार्य एनटीएम परियोजना केर अंतर्गत समायोजित करब ओ ओकर क्रियान्वयन करब (देखूः एनटीएम केर कार्यविवरण, मद 11,(vi), पृष्ठ 6, तथा पारा 8 मे, FA’s के अंतर्गत सेहो अवलोकन कयल जा सकैत अछि) ओहन कर्मचारी लोकनि जे पहिनहिसँ उपरोक्त परियोजनामे कार्यरत छथि, उदाहरणस्वरूप ‘अनुकृति’ मे हुनका कन्सलटेन्ट केर रूप मे अस्थायी रूप सँ एनटीएम मे संलग्न कयल गेल अछि।
3. एनटीएम केर मसौदा ओ अधिकार- क्षेत्र सँ संबंधित वेब-साइट केर पंजीकरण कयल जा चुकल अछि, संगहि कार्यकारिणी समूह केर सेहो गठन भ’ चुकल अछि। (देखूः एनटीएम केर कार्यविवरण, मद 11(vii) पृष्ठ 6) सभ 22 भाषा केर विस्तृत विवरण ओ मसौदा वेबसाइट पर स्थानान्तरित कयल जा चुकल अछि।
4. उपरोक्त समस्त काज सलाहकार (Consultants) द्वारा बाह्य स्रोत सँ कयल जा रहल अछि (एनटीएम मसौदा, मद 11(viii), पृ.-6, पारा- 7 मे, सचिव – HE केर टिप्पणी देखू “एकर अधिकतर कार्य बाहर सँ कएल जयबाक लेल आंतरिक प्रणाली तैयार करब”)। जखन आधारभूत कार्य संपादित भ’ जाइत तँ समस्त कार्य केँ पीएसीक समक्ष स्वीकृतिक लेल आ अंततः ओकर स्वीकृतिक संगहि ओकरा आरंभ करबाक लेल, वा मंत्रालयक स्वीकृतिक संगहि प्रस्तुत कयल जा सकत।
5. एनटीएमक आरंभिक क्रियाकलापक फलस्वरूप अनुवाद केर हेतु प्राथमिक उपयोगी उपकरण केर रूपमे लगभग छओ प्रमुख भाषामे मुद्रित शब्दकोश लॉन्गमैन समूह केर संग संयुक्त रूपसँ यथाशीघ्रहि (पीपीपी स्वरूपमे) प्रकाशित होम’ जा रहल अछि। (पारा 2 पृ.1 केर विवरण द्रष्टव्य थिक) एकरा संगहि एहि परामर्शदाताक द्वारा एहि शब्दकोश केँ ई-शब्दकोशक रूपमे रूपांतरित करब;
6. भारतक प्रमुख विश्वविद्यालय, विश्वविद्यालय अनुदान आयोग, ओ संघ लोक सेवा आयोग द्वारा निर्धारित पाठ्यक्रम केँ एकठाम एकत्रित क’ परियोजना सलाहकार समिति द्वारा महत्वपूर्ण पाठ ओ संदर्भ-ग्रंथ सभकेँ चयनित क’ ओकर डेटाबेस केर निर्माण आओर अनुवाद करब;
7. एनटीएम केर वेब-साइट पर परियोजनाक मूल ‘परियोजनाक विस्तृत विवरण’ वेब पृष्ठ पर शीघ्रहि विस्तारित करबाक काज प्रगति पर अछि;
8. MySQL केर संगहि ASP scripting केर द्वारा अनुवादक केर हेतु राष्ट्रीय पंजीकरण केर मसौदाक निर्माण डेटाबेस केर पार्श्वमे देखल जाएत;
9. प्रारंभिक पहल केर तहत सब 22 भारतीय भाषाकेर प्रति जागरूकता, विज्ञापन ओ प्रोत्साहन सामग्रीक प्रचार हेतु यथाशीघ्र मीडियामे सन्निवेश कयल जाएब;
10. सभ गतिविधिक संबंधमे जानकारीक लेल ‘अनुकृति’ वेब-साइट (जे कि भारतीय भाषा संस्थान द्वारा संचालित अछि ओ साहित्य अकादमी आओर राष्ट्रीय पुस्तक ट्रस्ट द्वारा सेहो, www.anukriti.net खू) वा एनटीएम केर नव वेब-साइट (जेना कि एनटीएम केर कार्यविवरण पारा 2, पृष्ठ 2 मे कहल गेल अछिः “योजना आयोग द्वारा अनुशंसित परियोजना ‘अनुकृति’ केर समस्त वेब आधारित अनुवादक गतिविधिकेँ एनटीएमकेर अंतर्गत समायोजित कएल जाय”) संगहि इहो निर्णय लेल गेल अछि जे परियोजनाकेँ पुनर्निर्मित ओ उन्नतशील बनाओल जाय।
11. जतय धरि संभव भ’ सकय, कोनहुँ भारतीय भाषामे सरलतासँ पहुँच केर लायक एनटीएम साइटकेँ एक सार्वजनिक सम्पत्तिक रूपमे प्रस्तुत करबाक हेतु मुक्त सॉफ्टवेयर स्रोत आओर सर्वसुलभ पृष्ठभूमिक उपयोग कयल जा रहल अछि (जेना कि योजना आयोग द्वारा परामर्श देल गेल छल, एनटीएम मसौदा, पारा 3, पृ. 2 देखू) आर
12. ओहि सभ शर्तकेँ जानबाक हेतु संस्थान वार्तालाप करब आरंभ क’ चुकल अछि जकरा मुख्य अंतर्राष्ट्रीय प्रकाशन भवन एनटीएमकेँ प्रस्तुत क’ सकैत अछि, ताकि पीएसीक स्तर पर एहि संबंधमे आगू सोचल जा सकय आ निर्णय लेल जा सकय।