प्रौद्योगिकी मुद्दा सभ

भारतीय भाषामे इलेक्ट्रॉनिक अनुवाद सहायता एखन धरि विकासक प्राथमिक चरणमे अछि। एहि प्रकारक उपकरणमे सम्मिलित अछिः वर्ड प्रोसेसर्स, शब्दकोश, प्रबंधन उपकरण, शब्द बैंक, ऑनलाइन शब्दकोश, ऑनलाइन आओर दृश्य, पर्यायवाची/विलोम शब्दकोश, शब्दखोजकर्ता, अनुवाद मेमोरी सॉफ्टवेयर, ई-अनुवाद (मशीनी अनुवाद सॉफ्टवेयर), शब्दावली, कॉरपोरा, वर्तनी जाँचकर्ता, व्याकरण जाँचकर्ता, इलेक्ट्रॉनिक शब्दकोश, तकनीकी शब्दावली, व्याकरण शब्दावली, ऑनलाइन उपकरण, सांस्कृतिक शब्दकोश, आर अन्य सुविधा सभ। एहिमेसँ मशीनी अनुवाद पैकेज केर अतिरिक्त सभ अनुवादक केँ मदद उपलब्ध करबैत अछि ने कि वास्तविक अनुवाद केर काज केँ निरूपित करैत अछि।

एनटीएम प्रशिक्षणमे सहायता क’ कए आओर किछु गतिविधिक लेल मानवीय तकनीकी स्रोत केर विकास द्वारा साझेदारी आओर सहक्रियाक मददि सँ दोसरकेँ सहायता क’ कए मशीनी अनुवादमे तकनीकी विकास केर सुविधा सभ उपलब्ध करा सकैत अछि। भारतीय भाषा केर लेल प्रौद्योगिकी केर विकास (टीडीआइएल) आओर सी- डैक आदि जेहन जुड़ल संस्थान केँ एनटीएम निम्नलिखित क्षेत्र मे सहायता प्रदान क’ सकैत अछि।

a. आवश्यक बुनियादी ढ़ाँचा विशेष रूप सँ अंकीय उपकरण (डिजिटल टूल्स) जेना पर्यायवाची/विलोम शब्दकोश, द्विभाषी शब्दकोश, अनुवाद मेमोरीक लेल सॉफ्टवेयर आदि विकसित केनाय जकर प्रत्यक्ष उपयोग अधिक सँ अधिक समर्थ आओर प्रभावकारी अनुवादक लेल होइत अछि।
b. एकटा नमहर अवधि धरि विभिन्न संस्थान केर साझेदारी द्वारा शाब्दिक साधन जेना ई-शब्दकोश, वर्डनेट, भाषा, विश्लेषण आओर संश्लेषण उपकरण, अन्वितिकार, आओर आवृति विश्लेषक इत्यादि विकसित करब आओर ओकरा जारी रखब; एतय एनटीएम सभा आयोजन द्वारा, ऑनलाइन परिचर्चा आदिक द्वारा समूहकार्यक लेल एक संयुक्त मंच उपलब्ध करा सकैत अछि।
c. स्पष्ट डिजिटल रूपमे अनुवाद आओर स्रोत पाठकेर लेल स्वत्वाधिकारक मुद्दा हल केनाय। एनटीएम ई सुनिश्चित क’ सकैत अछि जे एहि डिजिटल सामग्रीक भंडार केर देखरेख निश्चित मानक XML tags आओर DTD केर संग एक मानक प्रारूप मे कयल जा सकैत अछि।
d. एलडीसी-आइएल परियोजनाक तहत टिप्पणी आओर संलेखन केर संग विकसित कयल जा रहल उच्च कोटिक समानान्तर कॉरपोरा केर देखभाल आओर निर्माण। एहि प्रकार केर कॉरपोरा केँ मशीनी अनुवाद प्रणाली प्राप्त करबाक लेल मशीन द्वारा सीख’ जायवला तकनीकी सँ प्रयोग कयल जा सकैछ।
e. मोन 15 हादरखौ जखालामननानै 1996 माइथायाव माहारि गेजेरारि आफादनि दैदेननायाव जागायनाय Universal Networking Language (UNL) मोनसे सारियावनो थानानै मोनसे इन्टार लिंगुवा (Interlingua) सायाव सोनारनाय बिखान्थि जौगाहोनाय। IIT मुम्बइया गोबां आगजु, आदब आरो सम्पद सोरजिनानै इंराजी रावनिफ्राय भारतारि रावाव MT सोरजिखांबाय।