| 
         
         
         
         
                
    
                
                
                
                
                
                
                    
                    
                     
                    
             
              | 
             
        
               
                
                 
         
         
         
         
            
हमरा विषयमे
         
         
                    
                         
    
        
            
              राष्ट्रीय अनुवाद मिशन(एनटीएम) साधारणतया अनुवादकेँ एक गोट उद्योगक रुपमे स्थापित करबाक भारत 
              सरकारक एकटा योजना थिक आओर विशेष रुपेँ छात्र एवं शिक्षाविद्क हेतु उपलब्ध ज्ञान-पाठ्यक भारतीय 
              भाषाक माध्यमेँ उच्च शिक्षा प्राप्त करबामे सौविध्य प्रदान करब। एकर दृष्टिकोण अछि भाषाक अवरोधकेँ पार
              कए ज्ञानी समाजक निर्माण करब। एनटीएमक उद्देश्य अछि संविधानक आठम अनुसूचीमे निबद्ध सभ भारतीय भाषामे अनुवादकेर माध्यमसँ ज्ञानक प्रसार करब।
                 
                 
               एहि संयुक्त प्रयासक उद्देश्य थिक अनुवादकलोकनिकेँ प्रशिक्षित करब, प्रकाशकलोकनिकेँ अनूदित साहित्यक 
               प्रकाशन हेतु प्रोत्साहित करब, एक भारतीय भाषासँ दोसर भारतीय भाषामे अनूदित साहित्यक डाटाबेसकेँ 
               अद्यतन बनाए राखब आओर अनुवादसँ सम्बन्धित सूचनाक भंडारगृहक रूपमे काज करब आदि। एहि 
               प्रयासक माध्यमे, एनटीएम अनुवादकेँ भारतमे एकगोट उद्योगक रूपमे स्थापित करए चाहैछ। आशा अछि 
               जे अनुवादकेर माध्यमसँ नव-नव शब्दावली ओ संवाद शैली विकसित कए भाषाक आधुनिकीकरण सुलभ 
               कएल जा सकत। एहि आधुनिकीकरणक प्रक्रियामे अनुवादक लोकनिक भूमिका महत्वपूर्ण हेतनि, विशेष 
               रुपसँ, भारतीय भाषाक शैक्षिक परिदृश्यमे।
                 
                 
               अनुवादकेँ एकगोट उद्योगक रुपमे स्थापित करबाक लक्ष्यमध्य ज्ञान-पाठ्यक अनुवाद पहिल धाप थिक। 
               सभ शाब्दिक सामग्रीक मतलब अछि एनटीएमक हेतु ज्ञान-पाठ्य कोष(कॉर्पस)क गठन करब। वर्त्तमानमे, 
               एनटीएम उच्च शिक्षासँ सम्बन्धित सबटा शैक्षणिक सामग्रीकेँ बाइसोटा भारतीय भाषामे अनुवाद करबामे 
               लागल अछि। एनटीएमकेर उद्देश्य अछि, उच्च शिक्षाक ओ पोथी सभ जे मूलत: अंग्रेजीमे उपलब्ध अछि, 
               तकरा भारतीय भाषामे अनुवादकेर माध्यमे प्रकाशमे आनि ज्ञानक विशाल क्षेत्रकेँ उजागर करब। एहन 
               अनुमान कएल जाए सकैछ जे ई प्रक्रिया अंततोगत्वा एकगोट विशिष्ट ज्ञानी समाजक निर्माणक मार्ग 
               प्रशस्त करत।
             | 
         
     
    
     
    
     
                
                
            
                     
                        
                    
                    
                    
                    
                     | 
                     
                     
                    
                 
                
                |