| 
         
         
         
         
                
    
                
                
                
                
                
                
                    
                    
                     
                    
             
              | 
             
        
               
                
                 
         
         
         
         
            
अनुवादक-शिक्षण 
         
         
                    
                         
        
            | 
                एनटीएमक अनुवादक-शिक्षण कार्यक्रमक मुख्य उद्देश्य अछि-  अनुवादककेँ ज्ञान-पाठ्य अनुवादक सम्बन्धमे अभिविन्यस्त करब।  ई ओहि व्यक्तिक लेल शैक्षिक सहयोगक प्रस्ताव सेहो करैत अछि जे केओ अनुवादकेँ एकटा वृत्तिक रूपमे अपनएबाक इच्छुक छथि। ई अनुवादककेँ भारतमे अनुवादकेर इतिहास आ परम्परा, भारतीय भाषासभमे ज्ञान-पाठ्य अनुवादमे समस्या आ चुनौती एवं शब्दकोश, शब्दावली एवं विश्वकोशजन्य अनुवाद उपकरणक व्यवहार कोना करी, क एहि सन्दर्भमे अभिविन्यस्त करैछ। ई प्रतिभाशाली ओ योग्य व्यावसायिक अनुवादककेँ तैआर करबाक विचार सेहो रखैछ।
उक्त लक्ष्यकेँ प्राप्त करबाक हेतु एनटीएम कार्यशाला, अभिविन्यास कार्यक्रम आ संगोष्ठी सन कार्यक्रम संचालित करैत अछि। ट्रान्सलेशन टूडे(एनटीएमक अर्द्धवार्षिक पत्रिका), अनुवादकक हेतु हस्त-पुस्तिका, एनटीएम मीडिया दल द्वारा प्रस्तुत एभी सामग्री आओर एनटीएमक अध्ययन सामग्री अनुवादक-शिक्षणकेर एक उपकरण रूपमे कार्य करत।
         | 
         
          
         
 
                
                
            
                     
                        
                    
                    
                    
                    
                     | 
                     
                     
                    
                 
                
                |