अनुबंध--II

राष्ट्रीय अनुवाद मिशन केर लेल प्रस्ताव
जयती घोष द्वारा राष्ट्रीय ज्ञान आयोग (NKC) केँ प्रस्तुत
(राष्ट्रीय ज्ञान आयोग NKC द्वारा अनुवाद पर 11 फरवरी 2006 केँ आयोजित कार्यशालामे सम्मिलित सहभागी तथा आन परवर्ती, पारस्परिक विचार-विमर्श पर आधारित)

एतय विभिन्न प्रकारक (मानव, मशीनी सहाय्य, क्षणिक इत्यादि) आओर विभिन्न क्षेत्र (साहित्यिक, वैज्ञानिक, तकनीकी, वाणिज्य इत्यादि) केर गुणवत्ताक सुधारक बहुत बेसी आवश्यकता अछि, जे सम्पूर्ण देशमे ज्ञान धरि बेसी सँ बेसी पहुँच उपलब्ध करा सकय। एहि प्रक्रियाक त्वरित कार्यवाहीक, विकास कर’ आओर देश मे उच्च कोटि केर अनुवाद केर प्रचार-प्रसार सबसँ नीक उपाय राष्ट्रीय अनुवाद मिशन केर स्थापना सैह भ’ सकैत अछि। ई मिशन, उच्च कोटि केर अनुवाद केर विकास, शिक्षण, अनुवाद आओर अनुवादक सँ संबंधित सूचनाक प्रचार-प्रसार आओर सरकारी ओ निजी संगठन द्वारा जारी काजकेँ संगठित करबाक जिम्मेदारी, ई सब काजकेँ तत्कालिक रूपमे लेत। ई विचार दोसर विभिन्न क्षेत्र केर काजक अनुलिपिकरण आर अंशच्छादन केर लेल नहि अछि, अपितु ओकरा प्राथमिकता, गुणवत्तामे सुधार आओर विस्तृत जागरूकताकेँ दोबारा जाँच’ मे मदद करबाक लेल अछि।

एक गतिविधिक रूपमे अनुवाद भारतीय उपमहाद्वीपमे एक पैघ समय सँ विभिन्न भाषाक मध्य होइत आबि रहल अछि। भारत आर आन स्थान केर विभिन्न बोली आर समुदायमे पैघ-पैघ मस्तिष्क केँ अनुवाद केर क्षेत्रमे कार्यरत देखल गेल अछि। मुख्य रूपसँ वर्तमान दशकमे अनुवाद, व्यवसाय केर रूपमे चुनौतीपूर्ण सेहो अछि आर लाभदायक सेहो। अनुसंधान केर क्षेत्रक रूपमे अनुवाद अध्ययन, दर्शन, साहित्यिक अध्ययन, लक्षणविज्ञान, शब्दशास्त्र, मानवशास्त्र, कम्प्यूटर विज्ञान आर आन क्षेत्रमे प्रचारक केर रूपमे उभरि कए आयल अछि। मुदा भाषाक वृहत विस्तार, संस्कृति आर समुदाय केर बीच ओकर विस्तार पर विचार करैत एहि क्षेत्रमे एखनो ओकर गतिविधिक केँ संगठित करबाक प्रयासमे कमी देख’ मे आबि रहल अछि।

भारत देश एक बहुभाषिक, बहुसांस्कृतिक आर प्राचीनतम ज्ञान आधार केर रूपमे बहुतो सदी सँ अनुवादमे अग्रणी रहल अछि। बहुत रास भाषा ओ संस्कृतिक संग ई देश साहित्यिक आर मशीनी अनुवाद दुनू केर समस्त महत्वपूर्ण सैद्धान्तिक पहलू केर लेल उन्नत परीक्षण आधार सेहो उपलब्ध करबैत रहल अछि। एहन आशा कयल जाइत अछि जे प्रस्तावित राष्ट्रीय अनुवाद मिशन पैघ काल सँ महसूस कयल गेल आवश्यकता केँ पूरा करत जे विभिन्न वर्ग द्वारा उमेद कयल जा रहल अछि जेना: शिक्षक, शिक्षार्थी, भाषा शिल्पवैज्ञानिक, व्यावसायिक समूह, समाचारपत्र संस्था आर आन मीडिया वर्ग, रचनात्मक लेखक, पाठक, तुलनात्मक अध्ययनमे संलग्न लोक आर अनुवाद सैद्धान्तकार आदि।

एनटीएम केर निम्नलिखित उद्देश्य होयतः
1. भारतीय भाषाकेँ सम्मिलित क’ कए अनुवाद पर सूचनाक एक भंडार-गृह केर रूपमे काज केनाय आर प्रकाशित अनुवादक सूचना, आयोजित शिक्षण कार्यक्रम, उपलब्ध अनुवाद उपकरण आर साधन, नव पहल, आर आन सुविधा जेना, “अनुवादक केर राष्ट्रीय पंजी” आदि केर निर्माण, देखभाल आर लगातार अद्यतन क’ कए— सभ प्रकारक उपलब्ध अनुवाद केर संबंधमे सूचना देब;
2. जतय धरि संभव भ’ सकय विभिन्न भारतीय भाषा केर सैद्धान्तिक आओर व्यावहारिक पक्ष पर अनुवाद सँ संबंधित समस्त गतिविधि केर स्पष्टीकरण उपलब्ध करायब;
3. समस्त भारतीय भाषामे अनुवादसँ संबंधित गतिविधिसँ जुड़ल आन अभिकरण, संगठन ओ निजी संगठनक संग सम्पर्क स्थापित करब;
4. उच्च गुणवत्ता केर अनुवादक माध्यम सँ समस्त भारतीय भाषा आओर साहित्यक क्षेत्रीय तथा विदेशी रंगमंच पर व्यापक रूपसँ प्रस्तुत करब;
5. अनुवादक हेतु विविध प्रकारक उपकरण केर सृजन आर रखरखाव, मुख्य रूपसँ द्विभाषिक आओर बहुभाषिक सामान्य निर्देशिका, शब्दखोजकर्ता तथा पर्यायवाची/विलोम शब्दकोश जे अनुवाद कला केर लेल विशेष सहायक भ’ सकय।
6. अनुवाद केर क्षेत्र में अभिरूचि राख’ वला ओहि सभ संस्था तथा निजी अनुवादक केर लाभार्थ व्यक्तिगत वा संयुक्त रूपसँ अनुवाद अध्ययन पर कयल गेल काज केर यथार्थ प्रकाशन ओ मुद्रण केर क्षेत्रमे प्रवेश तथा प्रोत्साहन।
7. जिज्ञासु लोकनि/अनुवादक केर प्रश्नोत्तर हेतु बुलेटिन बोर्ड द्वारा एक ‘संवाद मंच’ केर सुविधा उपलब्ध करायब।
8. प्रणाली विज्ञानक आधार पर अनुवाद केर प्रणाली पर निर्देशन प्रदान करब तथा अनुवाद अध्ययन आओर शिक्षण केर गतिविधि केँ समृद्ध करब।

प्रस्तावित राष्ट्रीय अनुवाद मिशन केर मूल गतिविधि
अनुवादक केर शिक्षण
ई एहि सच्चाई केँ उजागर करैत अछि जे जखन कि अनुवादमे आवश्यक रूपसँ बहुभाषिकता केर आवश्यकता होइत अछि आर ई एक विशिष्ट प्रकार केर काज होइत अछि जकर कल्पना नहि कयल जा सकैत अछि आर जकर किछु विशिष्टताकेँ जानब निश्चिते आवश्यक अछि। एकर अतिरिक्त विभिन्न प्रकार केर दक्षता आर रूझान केर आवश्यकता होइत अछि— उदाहरण केर लेल साहित्यिक अनुवाद सँ वैज्ञानिक आर तकनीकी काज केर अनुवादमे अनेक प्रकारक दक्षता आर रूझान केर आवश्यकता होइत अछि। उचित मीडिया आर संदर्भ (उदाहरणस्वरूप टेलीविजन) केर माध्यम सँ प्रतिपादन दक्षता सेहो अपेक्षाकृत अविकसित अछि, आर विशिष्ट प्रकार केर प्रशिक्षण केर सेहो आवश्यकता अछि।

एनटीएम केर गतिविधिमे निम्न क्षेत्रकेँ सेहो सम्मिलित कयल जा सकैत अछि :
  » अल्पकालीन शिक्षण कार्यक्रम केर संचालन
  » अनुवादक केर हेतु पाठ्य पैकेज केर सृजन, जे कि सम्पूर्ण देश भरिमे भाषा शिक्षण कार्यक्रम केर एकटा अंग बनि सकय
  » अध्येतावृत्ति कार्यक्रम जे कि विभिन्न संस्थानक बीच विद्वान केर आदान-प्रदान केर अनुमति द’ सकत। एतय विशेष बल विभिन्न भारतीय भाषाक बीच अनुवाद पर देबाक अछि, ने कि अंग्रेजीमे/सँ
  » अनुसंधान परियोजनाकेँ प्रोत्साहन देब, मुख्य रूपसँ अनुसंधित्सु विद्यार्थी सहित ओहन लोकक लेल जे उच्च अनुवादकेँ चिह्नित करबाक लेल ओ उदाहरण प्रस्तुत करबाक लेल शिक्षाशास्त्रीय उद्देश्यक पूर्ति हेतु संसाधन उपलब्ध करबैत होथि।

सूचना केर प्रसार
अनुवाद केर गतिविधि एखन धरि नहि तँ बहुत बेसी महत्वपूर्ण भ’ सकल अछि आ ने उच्च पारितोषितक, एतय धरि जे अधिकाधिक प्रयोग कर’ वला देशमे सेहो उपलब्ध अनुवाद क्षमता केर संबंधमे अपर्याप्त जानकारी अछि। उदाहरणक लेल कोनो खास क्षेत्रीय भाषामे एतए बहुत नीक सँ नीक अनुवादक छथि मुदा हुनका संबंधमे जानकारी नहि अछि, अन्यथा ओ हुनक सेवा ल’ सकैत छल। केन्द्रीय भारतीय भाषा संस्थान, मैसूर, सात प्रमुख शहरक अपन क्षेत्रीय भाषा केन्द्र केर द्वारा 20 भारतीय भाषामे प्रत्येक वर्ष लगभग 400 एहन शिक्षक केँ प्रशिक्षण दैत अछि जे एक भाषा सँ दोसर भाषामे धाराप्रवाह लिख, पढ़ि ओ बोलि सकैत अछि (वर्तमान मे एहन प्रशिक्षत केर संख्या लगभग 11,000 केर लगपास अछि) मुदा उपयोगकर्ताकेँ एखन धरि ओहि संबंधमे जानकारी नहि अछि। विभिन्न भाषामे छोट-छोट प्रकाशक केर द्वारा अनुवादक रचना आओर मुद्रण तँ कयल गेल अछि, मुदा उपलब्धता केर संबंधमे बहुतो वर्गकेँ जानकारी नहि अछि।

एहिलेल एहि क्षेत्रमे एनटीएम केर मुख्य गतिविधि होयत:
  » विभिन्न क्षेत्रमे भिन्न-भिन्न योग्यता आओर दक्षता प्राप्त अनुवादक केर डेटा संग्रह तैयार करब। ई संग्रह ऑनलाइन आओर विशिष्ट माँग केर संग एनटीएम सँ सम्पर्क क’ कए प्राप्त कएल जा सकैछ।
  » शिक्षण संस्थान, पुस्तकालय नेटवर्क आदि केँ लगातार भेज’ जयबाक लेल डेटा संग्रह आओर नव सूची केर संग ज्ञान आधारित क्षेत्रक द्वारा वर्गीकृत विभिन्न काज केर उपलब्ध अनुवादक विवरण केर संग सूची प्रस्तुत करब।

उत्तम कोटिक अनुवाद सामग्री केर प्रोत्साहन आओर प्रचार-प्रसार
ई चर्चाक विषय भ’ सकैत अछि जे जँ विभिन्न प्रकार केर अनूदित सामग्री केर आवश्यकता होइतैक तँ बजार ओकरा पहिनहि उपलब्ध करा देने होइत। मुदा साँच त’ ई अछि जे संभावना केर जानकारीक कमी वास्तविक माँग केँ उभरबासँ रोकि लैत अछि। जेना कि आन बहुतो ज्ञान केर मामला अछि, लोक नहि जानि रहल अछि जे ओ केहन वस्तु केँ नजरअंदाज क’ रहल अछि, जाधरि लोक ओकरा प्रदर्शित नहि करताह। एकर अतिरिक्त ओ जे साहित्यिक सामग्री केर अनुवादमे संलग्न छथि (जेना कि एनबीटी आओर ग्रंथ अकादमी) एहि बात केँ प्रमाणित करैत अछि जे स्थानीय भाषामे अनूदित पुस्तक केर बहुत माँग अछि, जखन एक बेर ओकर प्रस्तुतीकरण भ’ जाइत अछि तखन।

ई ध्यान देबाक योग्य बात अछि जे एहि तरह केर अनुवाद अंग्रेजी सँ भारतीय भाषामे एकतरफा नहि हेबाक चाही; जखन भारतीय भाषामे उन्नत सामग्री उपलब्ध अछि, जकरा अंग्रेजी आओर दोसर भारतीय भाषा, दुनूमे बड़ पैघ स्तर पर प्रसार करब आवश्यक अछि। विशेष रूप सँ अनुवाद केँ सामानान्तर रचनात्मकता केर मार्गकेर रूपमे देख’ केर परंपरा के प्रोत्साहन देबाक चाही। एतय एक समानान्तर प्रतिमान केर आवश्यकता अछि जे लक्ष्य आओर स्रोत भाषा केर बीच उर्ध्वोधर विशिष्टता उत्पन्न नहि करैत अछि, आओर भारत के बहुभाषिकता आओर सांस्कृतिक विविधता केँ विकास दैत अछि। कुछ निश्चित क्षेत्रमे पहिनहिसँ अनुवाद केर बहुलता अछि (जेना कि डॉ. अम्बेदकर केर द्वारा कएल गेल काजक अनुवाद बहुतों भाषामे भेल अछि) जे नव शिक्षित वर्ग केर विस्तृत सामाजिक समरसता केर संग-संग आवश्यकता आओर आशा केँ प्रभावित करैत अछि।

साहित्यिक अनुवाद सँ अलग वैज्ञानिक आओर तकनीकी अनुवादमे शब्दावली आओर अवधारणा केर स्तरीकरणक बड़ पैघ स्तर पर आवश्यकता अछि, ताकि भाषा केर मध्य नीक समझ केर संग सरल गतिकेँ सुनिश्चित कयल जा सकय। एकर अतिरिक्त अनुवाद एहि दिन सामाजिक पहचान आओर वित्तीय पारिश्रमिक दुनू मामलामे अंतर प्रोत्साहन गतिविधि अछि। इहो ध्यान राखब आवश्यक अछि जे जखन कि अनुवाद एक वैयक्तिक गतिविधि अछि आओर सामाजिक उत्साह सेहो, जकर सफलतामे विभिन्न चरण आओर समूह काजमे विभिन्न प्रकार केर लोक केर सहभागिताक आवश्यकता अछि।

एहि संदर्भमे एनटीएम केर अंतर्गत् निम्न विशिष्ट क्रियाकलाप पर विचार कयल जा सकैत अछिः
  » पुस्तक मेला, बाजारमे पुस्तक केर उपलब्धता, अध्येतावृति कार्यक्रम तथा पुरस्कार द्वारा उत्तम गुणवत्ता वला अनुवाद केर सक्रिय प्रोत्साहन।
  » दीर्घ अवधि तथा विविध अनुवाद परियोजनाक द्वारा सहयोगी अनुवाद कार्यकेँ प्रोत्साहन देब, तथा कार्यशाला केर आयोजन करब जकरा द्वारा अनुवादक अपन विचार तथा अनुभव केर आदान-प्रदान क’ सकथि।
  » उच्च कोटि केर अनुवाद तथा ओहि लेल बाजार सुनिश्चत करबाक हेतु पुस्तकालय नेटवर्क तथा प्रकाशक केर बीच क्रय-विक्रय तथा व्यवस्थापन हेतु सम्पर्क करब।
  » अनूदित सामग्री केर प्रस्तुतकर्ता, प्रकाशक, तथा पुस्तक क्रेता केर मध्य अंतरापृष्ठ तैयार करब।
  » क्षेत्रीय भाषामे विस्तृत प्रचार-प्रसार केर लेल कुछ तात्कालिक घटना केर पत्रिका आओर आन उपयोगी आर रोचक सामग्री केर प्रारंभिक अनुवाद पर छूट देब (जेना न्यू साइंटिस्ट, इकोनोमिक एण्ड पॉलिटिकल वीकली इत्यादि)।
  » विद्यालय, महाविद्यालय आर विश्वविद्यालय केर पाठ्यक्रममे अनूदित पाठ्य सामग्रीकेँ सम्मिलित करबाक सलाह देब विशेष रूपसँ सभ स्तर पर साहित्य अध्ययनमे दोसर भारतीय भाषासँ अनूदित काजकेँ लाएब।
  » सभ विश्वविद्यालय ओ महाविद्यालमे भाषा संसाधन केन्द्र आओर विद्यालय मे विशिष्ट पुस्तक केन्द्र (अनूदित सामग्री सँ संबंद्ध) केर सलाह देब।
  » अल्प दृष्टिगोचर जारी गतिविधिक प्रचार-प्रसार आओर विकास जे द्विभाषी दक्षता केँ प्रोत्साहन पर बल दैत अछि (जेना कर्नाटक पुलिस अधिकारीक परीक्षामे अनिवार्य अनुवाद विभाग)।
  » आन सार्वजनिक ओ सामाजिक संगठन केर प्रयोग करैत (जेना राष्ट्रीय साक्षरता मिशन आ भारत ज्ञान-विज्ञान समिति) द्वारा छोट-छोट शहर आ गाम धरि अनूदित सामग्री धरि बेसी सँ बेसी पहुँच केँ सुनिश्चित करबाक साधन पर विचार करब।

मशीनी अनुवाद केँ प्रोत्साहन
नव प्रौद्योगिकी अपेक्षाकृत कम दाम पर त्वरित आर पैघ परिमाण केर अनुवादक हेतु नव रोचक अवसर उपलब्ध कराबैत अछि, एहि संदर्भमे प्रौद्योगिकी केर विकास आर मानव संसाधन दुनू केर परिमाण पाओल जाइत अछि। एनटीएम प्रौद्योगिकी केर निर्माण आर प्रयोग कर’ मे मदद क’ सकत, आर निम्नलिखित पहल केर द्वारा मशीनी अनुवादमे प्रौद्योगिकी सँ संबंधित विकास केर सुविधा उत्पन्न क’ सकत :
  » आवश्यक बुनियादी ढ़ाँचा केर निर्माण सुनिश्चित करब, विशेष रूपसँ अंकीय उपकरण (डिजिटल टूल्स) जेना पर्यायवाची/विलोम शब्दकोश, द्विभाषिक शब्दकोश, अनुवाद मेमोरीक लेल सॉफ्टवेयर आदि, जे कि बेसी सँ बेसी दक्ष आ प्रभावकारी अनुवादक लेल प्रभावी अछि।
  » शाब्दिक संसाधन जेना ई-शब्दकोश, वर्डनेट, भाषा विश्लेषण आर संश्लेषक उपकरण, शब्दानुक्रमणिका, बारंबारता विश्लेषक आदि मशीनी अनुवाद प्रणाली केर प्रमुख भाग अछि। ई सभ कोनो एक संस्था द्वारा तैयार वा देखभाल नहि कयल जा सकैत अछि अपितु एहि लेल एकटा नमहर साझेदारी केर आवश्यकता अछि। एनटीएम लगातार पारस्परिक सहक्रिया, सभा, आओर ऑनलाइन परिचर्चा केर द्वारा समूह कार्यक लेल एकटा मंच उपलब्ध करा सकत।
  » एनटीएमक स्वत्वाधिकार केर आवश्यक मुद्दा केँ हल करबाक संगहि स्रोत मूल पाठ आओर अनुवाद जतय धरि संभव भ’ सकय स्पष्ट अंकीय रूपमे उपलब्ध कराओल जयबाक चाही। एनटीएम केँ एहि मानक XML टैग्स आर DTD जेहन अंकीय सामग्री केर संपदाक देखरेख सुनिश्चित करबाक चाही।
  » एहि दिन टिप्पणी आओर पंक्तिबद्धताक संगहि उच्च कोटि केर समानान्तर कॉरपोरा केर विकास करबाक अन्तर्राष्ट्रीय प्रचलन अछि। एहि तरह केर टिप्पणीय कॉरपोरा केँ मशीनी अनुवाद प्रणाली केँ अपनयबाक लेल मशीनी शिक्षण तकनीक केर द्वारा व्यवहार कयल जाइत अछि। एहि डेटा केर पूरा परिमाण आओर गतिविधि केर विस्तारमे ठोस प्रारंभिक लागत केर आवश्यकता पड़ैत अछि, जे वास्तवमे व्यक्तिगत संगठन केर द्वारा नहि कएल जाइत अछि; मुदा एनटीएम एहि प्रकार केर गतिविधिमे सुविधा उपलब्ध करा सकत आओर किछु मदद सेहो।
  » 1996 मे 15 देशकेँ सम्मिलित क’ कए संयुक्त राष्ट्रसंघ द्वारा आरंभ कएल गेल “यूनिवर्शल नेटवर्किंग लैग्विज” (UNL) केर अनुशरण करैत अंतरभाषा पर आधारित एक प्रस्ताव केर विकास करब। (आइआइटी मुंबई अंग्रेजी आओर भारतीय भाषा केर मशीनी अनुवाद केर लेल पहिनहिसँ विभिन्न उपकरण, तकनीक आओर संसाधन केर विकास क’ चुकल अछि, जकरा सामान्यीकरण कएल जा सकैत अछि।)