घोषणा

2-सप्ताहक गहन प्रशिक्षण कार्यक्रम

आवेदन प्रपत्र (डाउनलोड करू आ भरू)
 
रा.अ.मि केर प्रमुख बिन्दु सभमे सँ एक अछि अनुवादक सभमे कौशल विकास करब। मिशन गहन प्रशिक्षण कार्यक्रम आ अभिविन्यास कार्यक्रमक माध्यमसँ अनुवादक लोकनिकेँ प्रशिक्षण प्रदान करैत अछि। ई पेशेवर अनुवादकेँ शैक्षिक सहायता सेहो प्रदान करैत अछि। अनुवाद अध्ययनमे प्रमाणपत्र आ डिप्लोमा कोर्स प्रदान करबाक दिशामे सेहो पहल कएल जा रहल अछि।

2-सप्ताहक गहन प्रशिक्षण कार्यक्रम

प्रतिभागी के बनि सकैत अछि? ई कार्यक्रम हूनका लेल अछि जिनका अनुवादमे रुचि छनि आ संगहि जे अनुवादकेँ अपन अध्यवसायक रूपमे स्थापित करए चाहैत छथि। ई ओहि पेशेवर अनुवादक आ अनुवाद अध्ययनमे अध्ययनरत शिक्षार्थीक लेल सेहो अछि जे अपन अनुवाद कौशलमे अभिवृद्धि करबाक इच्छुक छथि। प्रतिभागी सामान्य रूपसँ (क) कोनो विश्वविद्यालय/संस्थानक पंजीकृत छात्र वा वृत्ति कर्मचारी होथि। (ख) विभिन्न सरकारी वा अर्ध-सरकारी संस्थानमे कार्यरत भाषा अधिकारी होथि। (ग) CSTT केर गतिविधिमे शामिल व्यक्ति, आदि।

कतए? प्रशिक्षण आ अभिविन्यास कार्यक्रम राष्ट्रीय अनुवाद मिशन, भारतीय भाषा संस्थान, मैसुरु द्वारा संचालित कएल जाइत अछि। जँ आवश्यक हो तँ ई कार्यक्रम सभ आन संस्थान सभक सहयोगसँ अन्यत्र सेहो संचालित होइत अछि।

 
शुल्क: एहि पाठ्यक्रमक लेल कोनो शुल्क देय नहि अछि। यद्यपि कार्यक्रमक आरंभमे प्रतिभागीकेँ रु. 500/ केर राशिक भुगतान करए पड़ैत अछि। ई राशि ट्रांसलेशन टुडे पत्रिकाक एक वर्ष धरि सदस्यता शुल्कक रूपमे समायोजित कएल जाइत अछि।

आवेदन कोना करी? इच्छुक व्यक्ति संबंधित प्रमाणपत्र आ विवरण पत्रक संग पूर्ण रूपसँ भरल आ हस्ताक्षरित आवेदन प्रपत्र (www.ciil.org / www.ntm.org.in केर तहत घोषणा खंडसँ डाउनलोड कएल) निम्न पता पर पठा सकैत छथि:
  परियोजना पदाधिकारी,
राष्ट्रीय अनुवाद मिशन,
भारतीय भाषा संस्थान,
मानसगंगोत्री, हुनसूर रोड,
मैसुरु, कर्नाटक-570006

प्रशिक्षक के छथि? रा.अ.मि मे प्रशिक्षक लोकनिक एकटा समूह अछि जे संबंधित क्षेत्रक विशेषज्ञ छथि। किछु प्रशिक्षक रा.अ.मि, भा.भा. सं मे रिसोर्स पर्सनक रूपमे कार्यरत छथि आ किछु आन संस्थानसँ संबद्ध छथि। टिप्पणी: आवेदन पूरा वर्ष स्वीकार कएल जाइत अछि। आवेदन प्रपत्रक बामा भागक शीर्ष पर ‘रा.अ.मि अनुवाद प्रशिक्षण कार्यक्रम हेतु आवेदन’ लिखल जएबाक चाही। जे किओ प्रतिभागी कोनो सेवामे छथि वा कोनो नियमित कार्यमे संलग्न छथि हुनका अपन नियोक्ता वा संस्थानक प्रमुख द्वारा अग्रेषित आवेदन पठएबाक होएत। चयनित प्रतिभागीक नाम रा.अ.मि आ भा.भा. संस्थानक वेबसाइट पर प्रदर्शित कएल जाएत।

संपर्क सूत्र : विशेष जानकारीक लेल कृपया ntmtrainingprog2016[at]gmail[dot]com सँ संपर्क करी।