कार्यक्रम

राष्ट्रीय अनुवाद मिशन अनुवाद पर शैक्षिकक बहसकेर सुविधाक हेतु कार्यशाला, सेमिनार एवं अभिविन्यास कार्यक्रम, भारतीय भाषामे उपलब्ध अनुवादित ज्ञान ग्रन्थक आकलन, नव अनुवादक हेतु अनुवाद प्रशिक्षण एवं सूचनाक प्रसार करैछ। शोधार्थी, अनुवादक, विशेषज्ञ एवं प्रकाशककेँ एनटीएमक कार्यक्रममे चर्चा ओ एक-दोसराक सङ विचार-विमर्शक लेल आमन्त्रित कएल जाइछ।
 

कार्यशाला

एनटीएम सम्पादकीय सहायता समूहक संघटनक हेतु, 22 भाषामे प्रत्येक विधाक विशिष्ट शब्दकोशकेर तैआरी हेतु कार्यशालाक आयोजन करैत अछि। एक गोट ग्रन्थक रूपमे अनुवादकेँ तैआर भेलाक बाद प्रत्येक भाषाक सम्पादकीय सहायता समूहमे सम्मिलित विशेषज्ञ वा सम्पादकीय सहायता समूह द्वारा अग्रसारित विशेषज्ञ पाण्डुलिपिक समीक्षा आ अनुवादककेँ मार्गदर्शन करबाक हेतु कार्यशालामे भाग लए सकैत छथि।
 

संगोष्ठी

राष्ट्रीय अनुवाद मिशन अनुवादजन्य शैक्षिक आदान-प्रदानकेँ बढ़ावा देबाक हेतु संगोष्ठी आयोजित करैत अछि। एहि सेमिनारमे प्रस्तुत शास्त्रीय आलेखकेँ समीक्षा ओ संगृहीत कएल जाइछ। समय अएला पर ओसभ एनटीएमक द्विवार्षिक पत्रिका ट्रान्सलेशन टूडेमे बाहर कएल जाइछ। ई संगोष्ठी एनटीएमकेँ अनुवादजन्य शैक्षिक बहसकेँ गुरुत्व प्रदान करैत अछि, जाहिसँ अनुवाद अध्ययन आ ओहिसँ सम्बद्ध विषयमे रूचि रखनिहार व्यक्ति (विशेषत: छात्र एवं शोधार्थी) सभकेँ सहायता पहुँचि सकनि।
 

अभिविन्यास कार्यक्रम

राष्ट्रीय अनुवाद मिशन प्रतिभागीकेँ अनुवाद, अनुवाद सिद्धान्त आ ज्ञान ग्रन्थ अनुवादमे सम्मिलित विभिन्न मुद्दाक सन्दर्भमे उन्मुखीकरणक लेल, प्रतिभागीकेँ अनुवादकेर विभिन्न उपकरणसँ परिचिति बनएबाक लेल आ हुनका एक सम्भावित अनुवादकक रूपमे तैआर करबाक हेतु विभिन्न भाषामे अभिविन्यास कार्यक्रमक आयोजन करैत अछि। विभिन्न महाविद्यालय ओ विश्वविद्यालयक छात्र एवं शोधार्थी प्रतिभागी होइत छथि। ओसभ विभिन्न भाषाभाषी ओ विभिन्न विधासँ आएल रहैत छथि। एहि कार्यक्रममे महाविद्यालय आ विद्यालयक शिक्षक, स्वतन्त्र अनुवादक एवं विभिन्न व्यवसायक व्यक्ति सेहो भाग लैत छथि। प्रतिभागीक चयन अनुवादक राष्ट्रीय पंजीसँ सेहो कएल जाए सकैत अछि।

एहि कार्यक्रममे अनुवाद अध्ययन आ ओहिसँ सम्बद्ध विधा एवं/वा ओहन भारतीय भाषाक लेखक, जे निरन्तर भारतीय भाषामे ज्ञान ग्रन्थक प्रकाशन कए रहल छथि, आमन्त्रित रिसोर्स पर्सन होइत छथि। विशेषज्ञ, जे ज्ञान ग्रन्थक अनुवाद कए रहल छथि आ ओ, जे भारतक विभिन्न भाषामे तकनीकी शब्दावलीकेँ विकास करबाक दिशामे सम्मिलित छथि, सेहो एनटीएमक लेल रिसोर्स पर्सनक रूपमे चुनल जाए सकैत छथि।
 

अन्य कार्यक्रम

एनटीएम अपन क्रियाकलापक दिशामे जागरूकता अनबाक हेतु देशभरिक ‘पोथी मेला’ मे भाग लैत अछि। जहिना अनुवादित ग्रन्थ प्रकाशमे आओत, एनटीएम प्रचारजन्य कार्यक्रमकेँ सेहो आयोजित करत, जाहिमे लेखक-मिलन, अनुवादक-मिलन आदि सेहो सम्मिलित कएल जाए सकैछ।