शब्दकोश

उच्च कोटिक अनुवाद-उपकरणकेँ विकसित करब, जेना शब्दकोश एवं विश्वकोश, एनटीएमक मुख्य उद्देश्यमे सँ एक अछि। बाइसोटा भारतीय भाषामे द्विभाषी एवं ई-शब्दकोशक निर्माण कएल जाए रहल अछि। ई बोलचालक भाषा, प्रसंगानुकूल सहज बनावट, उदाहरणक प्रचुरता, बहुधा प्रयुक्त कोष-विषयक आ व्यावहारिक पद आ ओकर उपयोगक दृष्टिकोणसँ अद्वितीय अछि।

एनटीएम विभिन्न भारतीय भाषामे शब्दकोश निर्माणक दिशामे कार्यारूढ़ अछि। सम्प्रति दू प्रकारक शब्दकोश निर्माण प्रक्रियाकेँ अपनाओल गेल अछि-
   a)    द्विभाषी मौलिक शब्दकोश
   b)    द्विभाषी ई-शब्दकोश

द्विभाषी मौलिक शब्दकोश

मइ-जून, 2006 मे भारतीय भाषा संस्थान, मैसूर, यूनाइटेड किंगडम स्थित लॉँगमैन पिअरसन समूहक सह-संयोजनमे द्विभाषी शब्दकोश निर्माण करबाक दिशामे अग्रसर भेल। एहि शब्दकोश सभक उद्देश्य छल अनुवाद उपकरणक रूपमे सहायता करब, 2008मे जखन एनटीएम प्रारम्भ भेल छल, तखन ई परियोजना एनटीएमक अन्तर्गत अन्तर्भुत कए लेल गेल। ई द्विभाषी शब्दकोश ब्रिटिश नेशलन कॉर्पस(बीएनसी) पर आधारित बहुधा व्यवहृत करीब 14 हजार शब्द ओ वाक्यांशक मौलिक अंग्रेजी-अंग्रेजी शब्दकोशक प्रतिरुप थिक।

लॉन्गमैन-एनटीएम-सीआइआइएल मौलिक द्विभाषी शब्दकोशसभ विभिन्न चरणमे बाहर निकलबाक आशा कएल जाइत अछि। छओटा शब्दकोश, जेना- बंगला, हिन्दी, कन्नड़, मलयालम, उड़िया एवं तमिल, पहिनहिँ प्रकाशित भए चुकल अछि(नीचाँ सूची देल गेल अछि),पंजाबी, गुजराती, मराठी, तेलुगु एवं उर्दूक शब्दकोश सेहो शीघ्रहि प्रकाशमे अएबाक सम्भावना छैक।
 
2011-12मे पिअरसन एजुकेशन(भारत) द्वारा प्रकाशित शब्दकोशक सूची-

  1. लॉन्गमैन-सी आई आई एल अंग्रेजी-अंग्रेजी हिन्दी शब्दकोश
  2. लॉन्गमैन-सी आई आई एल अंग्रेजी- अंग्रेजी बंगला शब्दकोश
  3. लॉन्गमैन-सी आई आई एल अंग्रेजी- अंग्रेजी कनाडा कन्नड़ शब्दकोश
  4. लॉन्गमैन-एनटीएम-सी आई आई एल अंग्रेजी- अंग्रेजी उड़िया शब्दकोश
  5. लॉन्गमैन-एनटीएम-सी आई आई एल अंग्रेजी-अंग्रेजी मलयालम शब्दकोश
  6. लॉन्गमैन-सी आई आई एल अंग्रेजी- अंग्रेजी तमिल शब्दकोश

एनटीएम शब्दकोश निर्माण गतिविधिकेँ आगाँ बढ़एबाक दिशामे कार्य कए रहल अछि आ भारतक संविधानक अनुसार आठम अनुसूचीमे संलग्न बाइसोटा भाषामे शब्दकोशकेँ बाहर करत।

द्विभाषी ई-शब्दकोश

एनटीएम-सी आई आई एल ‘लॉन्गमैन एडवान्स्ड बाइलिंगुअल फ्रेमवर्क’(एलएबीएफ)क पीअरसन एजुकेशनक एक्सएमएल (XML) डाटाबेसक परामर्श सेवा आ लाइसेंसक उपयोग करबाक हेतु डॉर्लिंग किन्डर्सले(इंडिया) प्राइवेट लिमिटेडक सङ एक गोट समझौता कए चुकल अछि। आइडीएम सर्वरमे एनटीएमक हेतु A-Z धरि लेल एलएबीएफ डाटासेट लॉन्गमैन यूके द्वारा अपलोड कएल जाए चुकल अछि। एलएबीएफ डाटासेट मुख्य रूपेँ लॉन्गमैन द्वारा विकसित ओ आइडीएम, फ्रान्स द्वारा चिन्ह्वित विपणन कएल गेल शब्दकोश निर्माण प्रणाली(डीपीएस)क माध्यमे प्रयोगमे आनल जाएत। एनटीएम द्विभाषी इलेक्टॉनिक शब्दकोश आधारित अछि-

  » लॉन्गमैन डिक्शनरी ऑफ कॉनटेम्प्ररी इंगलिश
  » लॉन्गमैन एडवान्स्ड अमेरिकन डिक्शनरी
  » लॉन्गमैन डिक्शनरी ऑफ इंगलिश एण्ड कल्चर
  » लॉन्गमैन बिजनेस डिस्शनरी लॉन्गमैन डिक्शनरी ऑफ इंगलिश लैंग्विज
  » इनफॉरमेशन फ्रॉम द लॉन्गमैन कार्पस नेटवर्क

एनटीएम विभिन्न प्रकारक महत्वपूर्ण क्रियाकलापक लेल, जकरा अन्तिम रुप देबाक आवश्यकता छैक, पिअरसन एजुकेशनक सम्पर्कमे अछि।