गोपनीयता नीति

राष्ट्रीय अनुवाद मिशन(मिशन) अहाँक गोपनीयताकेँ सुरक्षित रखबाक हेतु प्रतिबद्ध अछि। कृपा कए नीचाँ देल गोपनीय नीतिकेँ पढ़ि ज्ञात कएल जाए सकैछ जे कोना हमसभ मिशनक तरंग ठओर www.ntm.org.in (ठओर) केँ देखनिहार एवं उपयोग कएनिहारसँ प्राप्त सूचनाक उपयोग आ संरक्षण करैत छी।

ठओरकेर उपयोग द्वारा संकलन/अवधारणा लेल आ एहि नीति सङ अनुरूपतामे अहाँक व्यक्तिगत सूचनाक उपयोगमे अहाँक सम्मति होइछ।
 

सूचना, जे हम अहाँसभसँ प्राप्त करैत छी।

हमसभ अहाँक विषयमे सूचना एकत्रित करैत छी:
  » जखन हमरासभक सङ पंजीकृत भए वा ठओरकेर माध्यमे एकगोट जिज्ञासा प्रेषित कए अहाँ अपन व्यक्तिगत विवरण हमरासभकेँ उपलब्ध करबैत छी (जेना नाम, सम्पर्क विवरण, ई-मेल पता आदि);
  » जखन अहाँ हमर सर्वेक्षणक जबाव दैत छी, जे हमसभ अहाँसँ अनुसन्धान प्रयोजनकेँ पूरा करबाक हेतु पूछैत छी; आओर
  » पाँचटा डाटाबेसक निर्माण आ अनुरक्षणक आधार पर, जेना- भारतीय विश्वविद्यालय डाटाबेस, अनुवादक राष्ट्रीय पंजी(एनआरटी), प्रकाशक डाटाबेस, अनूदित ग्रन्थ सूची, संकाय डाटाबेस विशेषज्ञ सूची, शब्दकोश आ शब्दावली आदि।
 

अहाँक सूचनाक उपयोग

हमसभ अहाँक सूचनाक उपयोग करैत छी:
  » अहाँकेँ सामग्री, सेवा आ सूचना, जे अहाँ द्वारा अनुरोध कएल जाइछ, उपलब्ध करएबामे हमरासभकेँ सक्षम करबाक लेल;
  » निश्चित करब, जे ठओरसँ प्राप्त विषय-सूचीक अहाँ आ अहाँक कम्प्यूटर लेल पूर्ण प्रभावी तरीकासँ प्रस्तुति भेल अछि;
  » हमसभ जे सूचना प्राप्त करैत छी, ताहि सूचनाक विश्लेषण, जाहिसँ हमसभ ठओरकेँ व्यवस्थित, सहयोग आ उन्नति ओ विकास कए सकी;
  » अहाँकेँ सूचना, उत्पाद वा सेवाक सङ उपलब्ध कराएब, जे अहाँ हमरासभसँ आग्रह वा जे हमसभ अहाँक उपयोगक बुझैत छी, जतए अहाँ एहि तरहक उद्देश्य हेतु सम्पर्क करबाक लेल सहमति छी;
  » अहाँकेँ हमर कार्यकेर परिवर्तनक विषयमे सूचित करब।
 
हमसभ ई-मेल आ एसएमएसकेर सङहि सङ डाक, टेलिफोन वा फैक्स द्वारा अहाँसँ सम्पर्क कए सकैत छी। भविष्यमे सम्पर्क कएल जएबाक विषयमे जँ अहाँ एहि साधनमे सँ कोनोमे बदलाव चाहैत छी, तँ कृपा कए हमरा सूचित करी।
 

अहाँक सूचनाक संचयन

जखन अहाँकेँ हमसभ एकटा कूट शब्द दए दैत छी(वा अहाँ चूनि लैत छी), जे अहाँकेँ ठओरकेर किछु निर्धारित भागमे प्रवेशकेर अवसर प्रदान करैछ, अहाँक उत्तरदायित्व बनैत अछि ओहि कूट शब्दकेँ गुप्त रखबाक। हम अहाँसँ कहैत छी जे ओहि कूट शब्दकेँ केओ आन सङ बखरा(आदान-प्रदान) नहि करी। दुर्भाग्यवश, अन्त:जालकेर माध्यमे सूचनाक प्रसारण पूर्णरूपेण सुरक्षित नहि अछि। यद्यपि, हमसभ अपना भरि अहाँक व्यक्तिगत डाटाक सुरक्षाक प्रयास करब, हमसभ ठओर पर अग्रसारित अहाँक डाटाक सुरक्षाक दायित्व नहि लए सकैत छी; कोनो तरहक संचरण अहाँक अपन जोखिम पर होइछ। एकबेर अहाँक सूचना प्राप्त कए लैत छी, हमसभ अनधिकृत उपयोग रोकबाक प्रयास लेल कड़गर प्रक्रिया आ सुरक्षित रूपकेर उपयोग करब।
 

अहाँक सूचनाक प्रकटीकरण

मिशनक अन्तर्गत अधिकृत कार्मिककेँ अहाँ द्वारा उपलब्ध कराओल गेल सूचनाक मनन करबाक अधिकार प्राप्त रहतनि। हम अहाँक सूचनाकेँ आन तेसर व्यक्ति लग सेहो खोलि सकैत छी, जे नीतिमे निर्धारित उद्देश्य वा अहाँ द्वारा अनुमोदित उद्देश्य हेतु हमरासभक लेल कार्य करैछ।

हमसभ हरदम ई पक्का करबाक लेल डेग उठाएब जे अहाँक सूचना एहि गोपनीय नीतिकेर शर्त्तक सङ संगतिमे तेसर व्यक्तिक द्वारा उपयोग कएल जाइत अछि।

जखन धरि कानून द्वारा आवश्यक वा निर्देश नहि हो, अन्यथा हमसभ बिना अहाँक विचारकेर अहाँ द्वारा देल गेल कोनो सूचनाकेँ बखरा, बिक्री वा बाँट नहि करब।
 

आइपी पता एवं व्यक्ति

अहाँक जतए कतहु उपलब्ध आइपी पता, प्रवर्तित प्रणाली आ ब्राउजर छाप सङ्गहि हमसभ अहाँक कम्प्यूटरक सम्बन्धमे सूचना संग्रह कए सकैत छी। ई सूचना प्रयोक्ताक ब्राउजिंग कार्य आ पद्धतिक विषयमे आँकड़ायुक्त डाटा थिक, ई कोनो व्यक्तिक पहिचान नहि करैछ। एकर उपयोग तरंग ठओरकेर विकास, प्रबन्ध प्रशासन लेल, आओर तेसर व्यक्तिकेँ समग्र सूचनाक विवरण देब अछि।

एही कारणें, हमसभ व्यक्ति ज्ञापक फाइलकेर उपयोग द्वारा, जे कि अहाँक कम्प्यूटरक ध्रुववृत्तक चालकमे जमा अछि, अहाँक सामान्य तरंगजाल उपयोगकेर विषयमे सूचना प्राप्त कए सकैत छी। हमसभ ठओरकेर माध्यमसँ अहाँक गतिविधिकेर पता लगएबाक लेल, जे कोना एहि ठओरकेर उपयोग कएल जाए रहल अछि, आ एकर उपयोगिताक निर्धारण हेतु एहि सूचनाक उपयोग करैत छी। पता लगएबाक अभ्यन्तर अहाँक व्यक्तिगत सूचनाक विषयमे संग्रह नहि कएल जाइत अछि।
 

सुरक्षा

हमसभ अनधिकृत व्यक्ति द्वारा अभिगमसँ आ अवैधानिक प्रक्रिआ, आकस्मिक हानि, विनाश आ नोकसानसँ अहाँक सूचनाकेँ बचएबाक हेतु सुरक्षा उपायकेँ कार्यमे अनैत छी।

कृपा कए अपन ईमेल आ आन सम्पर्क माध्यमेँ कोनो बदलावकेर सूचना हमरासभकेँ दए हमरसभक विवरणकेँ अद्यतन रखबामे सहायता करी।
 

हमर गोपनीयता नीतिमे परिवर्तन

हमसभ एहि नीतिमे समय-समय पर संशोधन कए सकैत छी। जँ हमसभ कोनो बेसी परिवर्तन करैत छी, तँ हमसभ अहाँकेँ ठओर पर महत्वपूर्ण सूचना पठाए सूचित करब।
 

अहाँक अधिकार

अहाँकेँ हमरासभक द्वारा संघटित सूचनाक प्रति प्राप्त करबाक अधिकार अछि, जकर बदलामे हमसभ कम शुल्कक मांग करैत छी।

उक्त ठओर, समय-समय पर, तेसर गोटएक तरंग ठओर लेल आ ओहिसँ सम्पर्क राखि सकैछ। जँ अहाँ एहि तरंग ठओरमेसँ कोनो सम्पर्कक पछोड़ धेने छी, कृपा कए ध्यान दी जे एहि तरंग ठओरसभक अपन गोपनीय नीति छैक आ एहि नीति हेतु हमसभ कोनो उत्तरदायित्व वा दायित्व ग्रहण नहि कए सकैत छी। कृपा कए एहि तरंग ठओर पर कोनो व्यक्तिगत डाटा प्रेषित करबासँ पूर्व अहाँ ओकर नीतिकेर जाँच कए ली।