National Translation Mission
CIIL
NTM Survey
CIIL
Forum
CIIL
   
Select :
CIIL
NTM
Font Issues | Contact Us
 

Click here for CIIL Profile

राष्ट्रीय अनुवाद मिशन - परियोजनाक विस्तृत विवरण
  DPR Contents
  Previous   Next
 
परियोजनाक रणनीति
सभटा प्रमुख काज ओ गतिविधिक अनुसार मिशनकेँ विभिन्न भागमे बाँटल जा सकैत अछि;

अनुसूची मे सम्मिलित समस्त भारतीय भाषामे वैज्ञानिक ओ तकनीकी शब्दावली बनएबामे CSTT के सहायता ओ सलाह देब।

एहि लक्ष्यक लेल वैज्ञानिक ओ तकनीकी शब्दावली आयोग अपन पहल करत। हिन्दी आर आन आधुनिक भारतीय भाषा दुनू मे वैज्ञानिक ओ तकनीकी शब्दावलीकेँ अस्तित्वमे लाएब, आर सुनिश्चित करब, CSTT क अधिदेशाधीन अछि। आओर एहि क्षेत्रमे ई एक अहम भूमिका अदा करत। CSTT अपन क्रियाकलापक परिणामस्वरूप एनटीएमकेँ अनुवादमे सहायतार्थ सामग्री उपलब्ध कराओत। दोसर दिस राष्ट्रीय अनुवाद मिशन अनुसूचित 22 भाषाक शब्दावलीक निर्माणमे CSTT क कोशिशकेँ प्रोत्साहन सेहो देत। आर एहि तरहेँ ज्ञान आधारित मूल पाठक त्वरित अनुवादकेँ समर्थ क’ सकत। ओहि शब्दावली सभकेँ समस्त 22 भाषामे उपलब्ध कराब’ आ ओहिमे उपकरण तैयार करबाक लेल एनटीएम केँ सी-डैक आर सीआइआइएलक संग काज करबाक आवश्यकता पड़त।
इलेकट्रॉनिक शब्दकोश/पर्यायवाची आर विलोम शब्दकोश कि तँ स्वयं तैयार करब वा अन्यत्र करायब।
हमरा सभक महाविद्यालय आओर विश्वविद्यालयमे पढ़ाओल जा रहल समस्त मुख्य विषयमे ज्ञान आधारित मूल पाठक अनुवादक प्रकाशन जाहिमे 65 सँ 70 मुख्य विषय (आरंभमे 42 विषयकेँ ध्यानमे राखैत) आर लगभग दूइ सय ज्ञान मूलक पाठक 1760 मूल पाठ 11हम योजनाक अवधिमे सम्मिलित कयल जाएत। (एतय उल्लेखनीय अछि जे फिलहाल एनसीइआरटीक द्वारा बारहम कक्षा धरिक मूल पाठक अनुवाद केवल दूइ अनुसूचित भाषा—हिन्दी ओ उर्दूमे कएल गेल अछि)। जखन एक बेर ई प्रक्रिया आरंभ भ’ जाएत तखन बादक परियोजनामे कुल अनुवाद आर प्रकाशनकेँ विस्तारित क’ देल जाएत आर एक अनुमानक अनुसार सभ योजनाक अवधिमे एकर संख्या लगभग 8,800 धरि पहुँच सकैत अछि।
भारतीय भाषामे अनुवाद पर जर्नल ओ अनुवादसँ संबंधित मूल पाठक मुद्रण आओर विश्लेषण आदि केर लेल आर्थिक सहायता
लेखक/अनुवादक केँ हुनक आइपीआर/स्वत्वाधिकारक लेल अनुदान
विभिन्न स्तर पर अनुवाद प्रशिक्षण आर स्वीकृतिक लेल अनुदान
प्राकृतिक भाषा प्रक्रिया (NLP) वा अनुवाद सँ संबंधित अनुसंधानक लेल अनुदान
कोनो खास परियोजना (जेना दूइ भाषाक बीच अनुवाद नियमावलीक निर्माण) क लेल, अनुवाद पर डिग्री/डिप्लोमा कराब’ वला विश्वविद्यालय विभागक लेल अनुदान

निष्कर्षतः एहि सभ बातक निगरानी प्रस्तावित एनटीएमक अंगर्गत संभव बनाओल जा सकैत अछि, जखन कि मिशन बुनियादी लक्ष्य, जेना निम्नलिखित अपेक्षित परिणाम पर ध्यान राखयः

विभिन्न क्षेत्रमे भिन्न-भिन्न प्रकारक दक्ष ओ योग्य अनुवाद केर डेटा संग्रह तैयार करब। ई संग्रह विशिष्ट माँगक संगहि एनटीएम सँ सम्पर्क क’ कए ऑनलाइन उपलब्ध होएत।
शैक्षिक संस्थान, पुस्तकालय नेटवर्क आदिकेँ लगातार भेज’ जायवला संग्रह आर नव सूचीक संग ज्ञान आधारित मूल पाठ विभिन्न लेखनक वर्तमान अनुवाद केर व्याख्यायित सूची तैयार करब।
अनुवादक केर लेल अल्प अवधिक शिक्षण कार्यक्रम
उच्च कोटिक अनुवाद सामग्रीक प्रचार-प्रसार आर प्रोत्साहन
मशीनी अनुवादकेँ प्रोत्साहन

जर्नलक सूची केँ विस्तारित केनाय जे समर्थनक लेल संभावित रूपमे माँगक शर्तकेँ पूर्ण क’ सकय, एतए हम नामक अंतरिम समूह प्रस्तुत क’ सकैत छी, जखन परियोजनाकेँ स्वीकृति द’ देल जेतैक। ई आगूक चर्चाक विषय थिकः

अनुवादक लेल पत्रिका (जर्नल) सभ
(प्रस्तावित एनटीएमक तहत समर्थित)

असमी
1. गरीयसी (सम्पादक, हरेकृष्ण डेका)
2. प्रान्तिक (सम्पादक, पी.जी.बरूआ)
3. अनुराध पारंपार (संपादक, पी.ठाकुर)

बंगला/बंगाली
4. अनुवाद पत्रिका
5. भाषानगर (अनियतकालीन)
6. भाषाबंधन
7. एबांग मुशायरा (निबंध संकलन जे ज्ञान आधारित मूल पाठ केर बिन्दुकेँ उजागर अछि)
8. विज्ञापन पर्व (कला आर रचनात्मक लेख केर अनुवाद)
9. अन्तरजातीक आंगिक (क्षेत्रीय ओ अन्तर्राष्टीय माध्यम सँ अनुवाद पर केन्द्रित)
10. प्रभान्तर (मुख्य रूप सँ क्षेत्रीय अनुवाद — पाठ आर लेखक पर केन्द्रित)

बोडो
11. बोडो साहित्य सभा पत्रिका

अंग्रेजी
12. इण्डियन लिट्रेचर (साहित्य अकादमी)
13. ट्रान्सलेशन टूडे (अनुवाद अध्ययन केर पत्रिका CIIL सँ प्रकाशित)
14. यात्रा (असमिया सँ अनूदित)
15. अनिकेतना (कन्न्ड़मे)
16. मलयालम लिट्रेरी सर्वे (मलयालम सँ)
17. उर्दू अलाइव (उर्दू सँ)
18. कोबिता रिव्यू (द्विभाषिक, बंगला-अंग्रेजी)
19. इन्टरनेशनल जर्नल इन ट्रान्सलेशन (बाहरी प्रकाशन)

गुजराती
20. वी (बहुत रास अनुवाद का संवाहक)
21. गद्यपर्व

हिन्दी
22. तनाव (भारतीय ओ विदेशी सहित विभिन्न भाषा सँ)
23. अनुवाद (अनुवाद पर लेख केर संगहि-संग आन भाषा केर अनुवाद)
24. पहल (केवल अनुवाद केर लेल नहि अपितु बेसी अनुवादहि)
25. समकालीन भारतीय साहित्य (साहित्य अकादमी)
26. वागार्थ
27. नया ज्ञानोदय
28. भारतीय अनुवाद परिषद् पत्रिका

कन्नड़
29. अनिकेतना (आन भारतीय भाषा सँ, अंग्रेजी अनिकेतनाक शेष भाग)
30. देश-काल (अनुवाद केर संग्रह)
31. संक्रमण (अनुवाद केर संग्रह)
32. संवाद (पैघ संख्या मे अनुवाद केर प्रकाशन)
33. संकलन (अनुवाद केर सेहो प्रकाशन)

कश्मीरी
34. शीराज़ा-कश्मीरी (संस्कृति विभाग, कश्मीर सरकार)
35. अलाव (सूचना प्रौद्योगिकी विभाग, कश्मीर सरकार)

कोंकणी
36. जाग (मासिक, अनुवाद केर संग्रह)

मलयालम
37. केरल कविता ( अधिकतर अनुवाद, मुख्यतः साहित्यिक पाठ)
38. मातृभूमि (विशेष अनुवाद केर अंक)
39. कला कुमुदी
40. मध्यमान

मराठी
41. कल्याणे भाषान्तर
42. भाषा अणी जीवन
43. प्रतिष्ठान (अधिकतर अनुवाद)
44. पंचधारा (हिन्दी सँ अनूदित, तेलुगू आर कन्नड़, मराठी मूलक संग)
45. साक्षात (अनुवाद पर प्रकाशित विशिष्ट अंक)

मैथिली
46. मैथिली अकादमी पत्रिका (ज्ञान आधारित मूल पाठ केर संवाहक)
47. घर-बाहर (अनुवाद केर संवाहक)

उड़िया
48. सप्तभाषिका

पंजाबी
49. समदर्शी (पंजीबी अकादमी, नयी दिल्ली कखनहुँ-कखनहुँ अनुवाद सेहो)
50. आखर (अमृतसर, प्रमुख रूप से रचनात्मक आर समीक्षात्मक अनुवाद केर प्रकाशन)

संथाली
51. सार-सगुन
52. लोहन्ती पत्रिका

तमिल
53. दिसाइकल एट्टूम (भारतीय भाषा सँ)

तेलुगू
54. विपुला (अधिकांशतः विभिन्न भाषा सँ अनुवाद)
55. तेलुगू वैज्ञानिक पत्रिका (तेलुगू अकादमी)
  Previous Up Next
www.ciil.org | www.anukriti.net | www.ldcil.org | www.ciil-grammars.org | www.ciil-spokencorpus.net | www.ciilcorpora.net
 
  Central Institute of Indian Languages
Department of Higher Education,Language Bureau, Ministry of Human Resource Development
Government of India
Manasagangothri, Hunsur Road, Mysore 570006
Tel: (0821) 2515820 (Director), Reception/PABX : (0821) 2345000, Fax: (0821) 2515032 (Off)