राष्ट्रीय अनुवाद मिशन केर संबंधमे
‘राष्ट्रीय अनुवाद मिशन’ भारत सरकारक एकटा पहल थिक जकर उद्देश्य ज्ञान-आधारित मूल-पाठकेँ अनुवाद केर माध्यमसँ भारतीय संविधानक आठम अनुसूचीमे सम्मिलित भाषामे उपलब्ध कराएब थिक। एनटीएम केर संकल्पनाक विचार भारतक प्रधानमंत्रीक एक वक्तव्यसँ उद्भूत भेल जाहिमे ओ एहि बात पर जोर देलनि जे, ज्ञान केर कतोक महत्वपूर्ण क्षेत्रमे पहुँच बनएबाक लेल अनूदित सामग्री धरि पहुँच अत्यावश्यक अछि।
आन उद्देश्य:
विभिन्न मूल-पाठ केर अनुवाद सम्बन्धी सूचनाक भारतीय भाषामे प्रचार-प्रसार
अनुवादक माध्यमसँ भारतीय भाषामे ज्ञान आधारित मूल-पाठ केर उच्च कोटि केर कॉर्पस निर्माण करब
शब्दकोश ओ विश्वकोश सन उच्चकोटि केर अनुवाद साधन केर निर्माण करब
अनुवाद, मेमोरी, शब्दखोजकर्ता, वर्डनेट आदि सँ सम्बन्धित सॉफ्टवेयर केर विकास आओर अनुसंधानक लेल प्रोत्साहन
अल्पावधिक अभिविन्यास कार्यक्रम ओ पाठ केर द्वारा अनुवादक केर शिक्षण
अनुवादक केर लेल आधिकारिक मान्यता
अनुसंधान परियोजनाक लेल अध्येतावृति ओ अनुदान
अंग्रेजी ओ भारतीय भाषाक मध्य, एक भारतीय भाषासँ आन भारतीय भाषा केर मध्य ओ भारतीय भाषा ओ विश्वक आन प्रमुख भाषाक मध्य मशीनी अनुवाद ओ मशीन संसाधित अनुवाद केँ प्रोत्साहन।
एनटीएम केर लाभार्थी : |
ग्रामीण ओ कमजोर वर्ग केर छात्र/छात्रा जिनक पहुँच ज्ञान आधारित पाठ धरि कम होइत अछि किएक तँ ई अधिकांशतः अंग्रेजीमे उपलब्ध अछि।
|
विभिन्न विषय ओ शैक्षिक-स्तर पर शिक्षण काजमे संलग्न शिक्षकगण, |
|
अनौपचारिक शिक्षा उपलब्ध करएबामे संलग्न स्वंसेवक, |
|
लोक स्वास्थ्य, लोकाधिकार, पर्यावरण, लोकप्रिय विज्ञान आदि पर काज कर’ वला गैर सरकारी संगठन (एनजीओ) |
|
दुभाषिया केर खोजमे लागल व्यक्ति ओ निजी अभिकरण, |
|
उपशीर्षक ओ बहुभाषिक प्रदर्शनक लेल प्रतीक्षारत फिल्म ओ वृत्तचित्र केर निर्माता, |
|
एफएम ओ आन आकाशवाणी केन्द्र जे विभिन्न भाषामे कार्यक्रमक प्रसारण हेतु प्रतीक्षारत अछि, |
|
सामान्य जनता जे साहित्यिक ओ ज्ञान आधारित पाठकेँ अपनहि भाषामे पढ़बाक लेल उत्सुक छथि, |
|
क्षेत्रीय भाषा केर प्रकाशक जे नव एवं रोचक उपक्रम हेतु प्रतीक्षारत छथि, |
|
अनुवादक जिनका रोजगार प्राप्त हेतन्हि, |
|
विभिन्न विश्वविद्यालय ओ संस्थान केर अनुसंधित्सु आओर अनुवाद विभाग, |
|
अनुवाद सॉफ्टवेयर विकासकर्ता, तुलनात्मक साहित्य केर विद्वान आदि। |
|