|
|
 |
| राष्ट्रीय अनुवाद मिशन - परियोजनाक विस्तृत विवरण |
| |
 |
|
 |
राष्ट्रीय अनुवाद मिशन वा एनटीएम भारत सरकारक कार्यकारी आदेशसँ स्थापित (कएल जाएब) कएल गेल अछि, जतय केन्द्रीय भारतीय भाषा संस्थान (सीआइआइएल) एकर प्रमुख अभिकरण होयत, मुदा सम्पर्क कार्यालय दिल्लीमे होयत। संचालन केर मामलामे निःसंदेह रूपसँ एकर अपन अस्तित्व होयत। मुदा वर्तमान परियोजनाक समयावधि समाप्त भेला पर एहि बात पर पुनः विचार कयल जा सकैछ जे कि कार्यक्रम अपन उद्देश्यमे सफल अछि वा नहि, कि एकरा सीआइआइएलसँ अलग क’ देल जाय आर सोसायटी रजिष्ट्रेशन एक्ट (1860 केन्द्रीय एक्ट) क अंतर्गत एक स्वाशासी संस्थाक रूपमे स्थापित कएल जाय।
एनटीएमक प्रबंधनक आकारकेँ लघु आर लचीला बनएबाक लेल कम-सँ कम बुनियादी ढ़ाँचाक संग लागू कयल गेल अछि। जतय धरि एनटीएमक संगठनात्मक आकारक बात अछि एकरा प्रथम द्रष्टया तीन स्तर पर स्थापित करबाक बात कहल गेल छलः
 |
माननीय मानव संसाधन विकास मंत्रालयक नेतृत्वमे सदस्यक संग सलाहकार समिति। 1
|
 |
शासी निकाय 2 (जीबी) कोनो वरिष्ठ विद्वान/मानव संसाधन विकास मंत्रालयक नामित सदस्यक नेतृत्वमे जे परियोजनाक उन्नतिक निगरानीक लेल प्रायः सभाक आयोजन करताह।
|
 |
101 सदस्यक संग सामान्य परिषद् 3(जीसी) सांस्थानिक आर व्यक्तिगत दुनू स्तर पर—चयनित सदस्य जे एनटीएमक भाग हेताह।
|
मुदा एखन केवल एक परियोजना सलाहकार समिति (एनटीएम-पीएसी) क स्थापना करबाक निर्णय लेल गेल अछि। जे 25 सदस्य सहित ने केवल मार्गदर्शन अपितु निगरानी सेहो रखताह। – एनटीएमक एक प्रमुख अधिकारी हेबाक नाते सीआइआइएलक निदेशक एकर अध्यक्ष हेताह, जाधरि एनटीएम केर अध्यक्षक नियुक्ति नहि भ’ जाय ताधरि मिशनक काज बाधित नहि हेबाक चाही एहिलेल सीआइआइएलक शैक्षिक सचिव केँ एनटीएम-पीएसी क सदस्य सचिवक रूपमे काज करबाक चाही। एहिमे तीन आर अवकाश प्राप्त सदस्य हेताह—एक संयुक्त सचिव (भाषा) क नामित सदस्य, वा निदेशक, भाषा, उच्च शिक्षा विभाग, मानव संसाधन विकास मंत्रालय, भारत सरकार, संयुक्त सचिव आर वित्तीय सलाहकार वा IFD (HRD) क नामित सदस्य, वैज्ञानिक ओ तकनीकी शब्दावली आयोग नयी दिल्लीक अध्यक्ष।
एहि पाँचोक अतिरिक्त दोसर 20 सदस्यकेँ चक्रानुक्रमिक नामित क’ कए मानव संसाधन विकास मंत्रालयक द्वारा चयनित कएल जाएत। (a) अनुवादक क्षेत्रमे शिक्षण देब’वला विभिन्न विश्वविद्यालय विभागसँ दूइ प्रतिनिधि(b) विभिन्न राज्यक दूइ प्रतिनिधि (चक्रानुक्रमिक)—राज्यक एहन अकादमी/संस्थाक प्रतिनिधि जे अनुवाद आ भाषा सँ संबंधित काज क’रहल छथि, (c) भाषा सँ संबंधित विश्वविद्यालयक एक कुलपति (d) पुस्तक विक्रेता ओ प्रकाशक संघ मे सँ तीन (e) साहित्य अकादमीक सचिव (f)एनबीटीक निदेशक, (g) अनुवाद उपकरण/प्रावैधिकी क्षेत्रमे अनुसंधान आर विकासमे संलग्न विभिन्न आइआइटी/एनआइटी/उद्योग घरानासँ दूइ प्रतिनिधि (h) अंग्रेजी आर विभिन्न भारतीय भाषासँ अनुवादक विशेषज्ञ (i) विभिन्न विषयक दूइ प्रतिनिधि आर (j)अनुवादक गतिविधिमे रूचि राखयवला निजी संगठन/सहकारी भवन ओ एतय धरि जे स्वतंत्र व्यक्ति सेहो।
उपरोक्तक अतिरिक्त एनटीएम कैकटा उप-सलाहकार समिति वा कार्यकारीवर्ग निश्चत करत जाहिमे प्रत्येक श्रेणी (जेना वैज्ञानिक अनुवाद, तकनीकी अनुवाद, त्वरित अनुवाद/द्विभाषिक वा मशीनी अनुवाद इत्यादि) मे व्यक्तिगत परामर्शदाता आओर विशेषज्ञ सदस्य सम्मिलित हेताह। |
 |
|
|